Tuesday, April 30, 2013

दरभंगासँ दैनिक होएत पवन एक्सप्रेस

दरभंगा : बंबइया यात्री लेल खुशखबरी अछि, जल्दिये हुनका सभकेँ आरक्षित टिकटक समस्या खत्म भऽ जाएत। सातू दिन दरभंगा-मुंबई(लोकमान्य तिलक टर्मिनल) लेल ट्रेन भेटत। समस्तीपुर रेलमंडल एहि काजमे लागल अछि आ उमीद अछि जे जुलाई सँ इ ट्रेन दैनिक भऽ जाएत।

बताबी जे अखन दरभंगा सँ मुंबई लेल पवन एक्सप्रेसक परिचालन सप्ताहमे मात्र तीन दिन मंगल, गुरु आ शनि केँ होइत अछि। बाकी चारि दिन इ ट्रेन मुजफ्फरपुरसँ चलैत अछि। एहि ट्रेनमे सभ सीजन पिक होइत अछि। मुंबई लेल एकटा आओर ट्रेन कर्मभूमि एक्सप्रेसक हालत एहन रहैत अछि जे क्षमतासँ चारि गुणा बेसी यात्रीक बोझ उठाबैत अछि। कर्मभूमि प्रति बरख लगभग 70 करोड़ आमद दैत अछि जे दरभंगा जंक्शनक सबसँ बेसी राजस्व देनिहाइर ट्रेन अछि। पवन एक्सप्रेसक दैनिक परिचालनक संबंधमे समस्तीपुरक सीनियर डीसीएम संग जनसंपर्क पदाधिकारी एमएआई हुमायूं एकर पुष्टि करैत कहला जे महाप्रबंधक केँ निर्देश पर एहि पर काज चलि रहली। बरख 13 केर रेल बजटमे मिथिलावासीक मांग छल जे एकटा नव ट्रेन मुंबई लेल भेटय वा पवन केँ दैनिक कएल जाए, से आब पूर्ण होइत बुझाइत अछि!

0 comments:

Post a Comment