थर्मल पावर प्लांटक चिमनी पर लागल रोक हटल
मुजफ्फरपुर : मुजफ्फरपुरमे प्रस्तावित थर्मल पावर प्रोजेक्ट लेल एकटा नीक समाद अछि। एतय 195 मेगावाटक दू यूनिटक बदले आब 250 मेगावाटक दू टा वा 660 मेगावाटक एक गोट सुपर क्रिटिकल इकाई बनाओल जा सकैत अछि। एयरपोर्ट आथोरिटी चिमनीक ऊंचाई पर लागल रोक हटा लेलक अछि। बीतल बृहस्पति केँ एक संबंधित पत्र बिहार सरकार केँ भेट गेल अछि। मुजफ्फरपुर जिलामे पताही हवाई अड्डाक कारण बिहार सरकारक पावर प्रोजेक्ट परियोजना पर ग्रहण लागि गेल छल। आथोरिटी एहि निर्णयक बिहार सरकार इ कहैत विरोध कएने छल जे आखिर बंद एयरपोर्ट कऽ लऽ पावर प्रोजेक्ट पर रोक लगायब कतेक ठीक अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमार आ ऊर्जा मंत्री बिजेँद्र प्रसाद यादव द्वारा एहि मुद्दा पर केँद्र केँ पत्र लिखल गेल छल जेकरा बाद चिमनीक उंचाई पर लागल रोक हटा लेल गेल अछि।
0 comments:
Post a Comment