Saturday, April 27, 2013

मिथिला राज्य संघर्ष समिति फेर आन्दोलित

जनकपुर :
मिथिला आन्दोलनमे बम बिस्फोट भेला एक बरख के बहुत कम दिन बांकी रहल समयमे मिथिला राज्य संघर्ष समिति फेरसँ आन्दोलित भेल अछि। बीतल
शुक्रकेँ जिल्ला प्रशासन कार्यालय धनुषामे ज्ञापनपत्र बुझबैत अपराधके छानबीन आ अपराधीके कारवाई करबाक माँग कएलन्हि अछि। मिथिला राज्य संघर्ष समितिक अध्यक्ष परमेश्वर कापड़िक नेतृत्वमे ज्ञापन पत्र बुझाबए गेल टोली 15 गते धरि माँगपुरा नहि कएल गेल तऽ पैघ आन्दोलन करबाक चेतावनी देलन्हि अछि। तराई टिभीमे किछु दिन पूर्व समाचार आएल विषयके लऽकऽ ओ सभ स्वर परीक्षणके माँग सेहो कएलक अछि। तराई टिभीमे सशस्त्र समूहक मुकेश चौधरीसंग स्थानीय एक राजनीतिकर्मीके बात भेल देखाओल गेल छल। ओ बातके स्थिति कि छल तकर छानबिनकऽ दोषीके कारवाई के सेहो माँग कएलक अछि।

0 comments:

Post a Comment