Tuesday, April 30, 2013

मार्च 2014 धरि ललित ग्राम धरि दौड़त ट्रेन

अररिया : फारबिसगंज सहरसा रेलखंड पर धीरे धीरे भऽ रहल आमान परिवर्तनक काज सीमावर्ती क्षेत्रक लोककेँ परेशान कऽ रहल अछि। रेल मंत्रालयक सहयोगसँ चलि रहल सीमावर्ती क्षेत्रक एहि रेलखंड पर फारबिसगंजसँ राघोपुर रेलवे स्टेशन धरि 20 जनवरी केँ मेगा ब्लाक लेल गेल छल जेकरा बाद लोककेँ कम समयमे बेसी दूरीक सफर जल्दी करबाक उमीद जागल छल मुदा उल्टे आमान परिवर्तनक काजमे भऽ रहल देरीसँ लोकक यात्रा कष्टमय भऽ रहल अछि।
फारबिसगंज-ललितग्राम धरिक काज पहिले
पहिल चरणक अंर्तगत मेगा ब्लाक लेलाक बाद फारबिसगंजसँ राघोपुर रेलवे स्टेशन लगभगि 48 किमी धरि लेल गेल छल मुदा पहिले फारबिसगंजसँ ललित ग्राम स्टेशन धरि काज पूरा कएल जाओत। लखभगि 28 किमी वला रेलखंड पर 12 गोट पैघ-पैघ पुल अछि जाहि पर काज चलि रहल अछि। पूमरे समस्तीपुरक डीआरएम अरूण मलिक बतौलनि जे प्रथम चरणक अंर्तगत फारबिसगंज-ललितग्राम धरि आमान परिवर्तनक काज पूरा कएल जाएत। मार्च 2014 धरि एकरा पूरा करबाक लक्ष्य राखल गेल अछि। ओ बतौलनि जे ललितग्राम धरिक काज पूरा होएबाक बाद एकरा आगू राघोपुर धरि आमान परिवर्तनक काज कएल जाएत। बरख 2014 मे सरायगढ़मे कोसी पर बनि रहल पुलसँ सेहो एहि रेलखंड केँ जोड़बाक लक्ष्य अछि।

0 comments:

Post a Comment