CBSE मे मैथिली चाही!
नई दिल्ली : आगामी 3 मई केँ दिल्लीमे मिथिला राज्य निर्माण सेनाक नेतृत्वमे भारतक शिक्षा मंत्री भारत सरकार केँ एकटा ज्ञापन देल जाएत जाहिमे पुरजोर रूपे एही बातक मांग कएल जाएत जे C.B.S.E. बोर्ड मे मैथिली केँ एकटा ऐच्छिक विषयक रूपे जोड़ल जाए, कियैक तऽ 32 गोट भाषा जखन शामिल अछि तखन फेर मैथिली कियैक नहि| एकटा आओर ज्ञापन रेलमंत्री, भारत सरकार सेहो देल जाएत जाहिमे इ मांग कएल गेल अछि जे मिथिलाक समस्त रेलवे टीसन पर मैथिलीमे उद्घोषणा होए, जाहिसं मैथिलीक प्रचार-प्रसार होएत संगे तेसर आ अंतिम ज्ञापन सूचना आ प्रसारण मंत्रालय केँ देल जाएत जाहिमे संयुक्त रुपे इ मांग कएल गेल अछि जे समस्त सरकारी ,गैर सरकारी आ निजी मोबाइल कम्पनी जिनकर मिथिला क्षेत्रमे टेलीफोन सेवा अछि ओ मैथिलीमे सूचना देथि जे टेलीफोन वा मोबाइल बंद अछि वा व्यस्त अछि वा ओतय पहुंचनाय अखन संभव नहि अछि, जेना आन-आन प्रदेशमे होइत अछि। सेनाक अनूप कुमार आ विजय झा मिथिलावासी आ प्रवासी मैथिलसँ अपील करैत कहलनि जे एहि पुनीत काजमे हमरा सबहक संग आबी आ एकरा सभ मिलि सफल बनाबी।
0 comments:
Post a Comment