सभाध्यक्ष डा. एस. एन. झा मिथिला राज्य संघर्ष समिति संग सौहार्द्रताक वचनबद्धता आ मिथिलाक इतिहास अनुपम रहैत राजनैतिक संरक्षणमे अभाव दुखद रहबाक कारण आगामी समयमे संघर्षकेँ आ आपसी सहकार्यसं मधेशक मांग संगे मिथिलाक मांग स्थापित करबाक लेल काज करबाक प्रतिबद्धता, सभकेँ धन्यवाद दैत शीघ्र युवा-नौजवान संग आरो एहेन महत्त्वपूर्ण सहकार्य करबाक वचनक संग कार्यक्रम समाप्त भेल। अन्तमे प्रज्ज्वलित मोमबत्ती सहित शहीद सभक आत्माक चिर-शान्ति लेल ईश्वरसं सामूहिक प्रार्थना कएल गेल।
एम्हर जनकपुरमे सेहो प्रार्थना सभा आयोजित भेल
जनकपुर : जनकपुर बम काण्डमे शहीद भेलसभक संस्मरणमे आई प्रार्थना सभा कएल गेल। बम बिस्फोट भेल स्थान जनकपुरक रामानन्द चौकमे कएल गेल प्रार्थना सभामे विभिन्न क्षेत्रक व्यक्तिसभक सहभागिता रहल छल। बम काण्डमे घायल 22 बरखक सुरेन्द्र मण्डल शहीद सभकेँ श्रद्धाञ्जली देलनि। (समदिया : प्रवीण नारायण चौधरी/सुजीत कुमार झा)
0 comments:
Post a Comment