Thursday, May 2, 2013

मिथिलाक अभ्यारण्यमे बाघिन देलक तीन शावक केँ जन्म

पश्चिमी चंपारण : मिथिलाक एकमात्र बाघ अभयारण्यमे एकटा बाघिन तीन टा शावकक जन्म देलक अछि। एहि क्षेत्रमे डेढ़ बरख पहिले सेहो एकटा बाघिन शावक केँ जन्म देने छल। इ जनतब एकटा अधिकारी बीतल बुधदिन देलनि।
पश्चिमी चंपारण जिलामे स्थित वाल्मीकि बाघ अभयारण्यक निदेशक संग वन संरक्षक संतोष तिवारी कहलनि जे 'वाल्मीकि अभयारण्यक मुरदापुर वन क्षेत्रमे एकटा बाघिन तीन शावक केँ जन्म देलक अछि। इ हमरा सभ लेल एकटा सकारात्मक विकास अछि।
ओ बतौलनि जे अभयारण्यक अधिकारी शावक केँ जीवन सुनिश्चित करबाक लेल कैमरासं निगरानी रखता। एहि क्षेत्रमे 2011 मे एकटा अन्य बाघिन तीन गोट शावक केँ जन्म देने छल, मुदा ओहिमेसं एकटा जन्म लेलाक तुरंत बाद मरि गेल छल।
अभयारण्यमे 20 गोट बाघिन अछि। तिवारी तीन शावक केँ जन्मक श्रेय अनुकूल परिस्थिति केँ देलनि। ओ बतौलनि जे अभयारण्यक चारागाह पछिला कतेको बरखसं बाघ केँ आकर्षित करैत रहल अछि। इ अभयारण्य बिहारक राजधानी पटनासं 200 किलोमीटर दूर अछि। (साभार : आज तक)

1 comment:

  1. सुन्दर समाचार अछि..!!
    शुभ कामनाएँ..!!

    ReplyDelete