Saturday, May 4, 2013

15 मईसं शुरू होएत भागलपुरसं हवाई सेवा

भागलपुर : क्षेत्रक लोक लेल एकटा सुखद समाद इ अछि जे आगामी 15 मई सँ भागलपुर एयरमैप पर आबि जाएत। निजी विमानन कंपनी स्काईफिशर एयरवेज लिमिटेड, भागलपुरसं हवाई सेवा शुरू करबाक घोषणा केलक अछि। भागलपुरसं खुजलाक बाद विमान पटना, गया होइत वाराणसी धरि जाएत। फेर एहि मार्गसं वापस आएत। प्रतिदिन एक सेवा उपलब्ध होएत। इ जनतब स्काईफिशर एयरवेज लिमिटेडक मैनेजिंग डायरेक्टर ऋषिकेश मिश्रा देलनि।
ओ बतौलनि जे पटना धरिक भाड़ा 2500-3000 रुपया आ वाराणसी धरिक भाड़ा लगभगि 6000 हजार रुपया रहत। स्काईफिशर एयरवेज एहि संबंधमे जिलाधिकारी केँ सूचित केलक अछि। डीएम केँ लिखल पत्रमे प्रबंध निदेशक कहलनि जे, सिंगल इंजन वला इ एयरक्राफ्ट 12 सीटक अछि। एकर निर्माण सेसना एयरक्रांफ्ट कंपनी केलक अछि। प्रबंध निदेशक डीएमसं लैंडिंग आ पार्किंग चार्ज संग सुरक्षा, फायर ब्रिगेड आ एंबुलेंस पर होमय वला प्रशासनिक खर्चाक जानकारी मंगलनि। प्रबंध निदेशक कहलनि जे, चार्टर ऑपरेशन, मेडिकल इमरजेंसी सर्विस आ कार्गो सर्विसक अंर्तगत सेहो सेवा देबाक प्रस्ताव अछि।
प्रबंध निदेशकक अनुसारे भागलपुरसं परिचालन शुरू करबामे हुनका कोनो टा परेशानी नहि अछि। राज्य सरकारक एकटा समितिसं हवाई सेवाक संबंधमे एप्रूवल भेटल अछि। सेवा शुरू करबाक संबंधमे मुख्यमंत्री सचिवालय प्रतिदिन काज पर नजर राखि रहल अछि। सरकार दिससं जिला प्रशासन केँ निर्देश सेहो देल गेल अछिजे यथाशीघ्र सभटा सुविधा उपलब्ध कराओल जाए। राज्य सरकारक प्रधान सचिव संग नगर विमानन विभागक प्रभारी प्रधान सचिव सेहो डीएमसं कतेको बेर संपर्क केलन्हि। सूत्रक मानी तऽ, विकास आयुक्त फूल सिंह स्वयं एहि मामला केँ देखि रहल छथि।

0 comments:

Post a Comment