Saturday, May 4, 2013

UPSC मे मैथिली राखि 7 परीक्षार्थी सफल

बेगूसराय/मधुबनी : UPSC(संघ लोक सेवा आयोग) केर परीक्षामे मैथिली भाषा केँ वैकल्पिक विषय केँ रुपमे राखि 7 गोट प्रतियोगी सफलता प्राप्त केलनि, एहिमे बेसी मिथिलाक छथि। UPSC 2011 मे मैथिली राखि पांच गोट छात्र उत्तीर्ण भेल छलथि। बीतल शुक्रकेँ प्रकाशित परिणाममे मधुबनीक अंजनी कुमार झाकेँ 621 म स्थान भेटल अछि। आशुतोष कुमार पांडेय जे आराक रहनिहार छथि हुनका 457 म स्थान भेटल अछि। आशीष कुमार श्रीवास्तव जे लखनऊ केँ रहनिहार छथि हुनका 124 म स्थान भेटल अछि। मेघौल, बेगूसराय निवासी सुजीत कुमार केँ 423 म स्थान भेटल अछि। लखनऊ केँ एकटा आओर छात्र प्रेमरंजन सिँह केँ 379 म स्थान भेटल अछि। भागलपुरक मनीष कुमार चौधरी केँ 726 म स्थान भेटल अछि। मधुबनीक सत्येँद्र कुमार अंतिम 100 मे छथि, हिनका 71 म स्थान भेटल अछि।

मिथिला प्राइम सफल छात्रगण केँ शुभकामना दैत अछि आ एहि बेर नीक स्थान नहि आनि सकल वा असफल छात्र केँ अगिला बेर नीक परिणामक शुभकामना दैत अछि!

2 comments:

  1. सबके बधाइ - एहो एहिस स्पस्ट भेल जे मैथिली राखी विविध जातिक विविध क्षेत्रक लोक सफल भेलाह अछि - भविष्यमे ई संख्या और बढ़त एहिमे संदेह नहि - सब मिथिलाप्रेमी मैथिलीके मिथिलाक बहुसंख्यक जनगणना आंकड़ा २०२१ में करय लेल एखनस प्रयास करथि -मिथिलाक विविध जिलामे विद्यालय में जा कय ताकि ई मिथिलाक प्रथम राजभाषा बनि सकय

    ReplyDelete
  2. UPSC xam lel Maithili literature aa Maithili Language ker Study Material katay bhet sakait aichh ??

    ReplyDelete