Friday, May 3, 2013

जानकी नवमीक तैयारी

दरभंगा : जगत जननी जानकीक प्रादूर्भाव दिवस दिन जानकी नवमी महोत्सव मनेबाक लऽ बीतल बृहस्पतिकेँ समीक्षा बैसार भेल। संयोजक विनोद कुमार झाक अध्यक्षतामे भेल कार्यकारिणीक बैसारमे एहि पर बेस विचार-विमर्श भेल। सदस्यगण निर्णय लेलनि जे दलगत भावनासँ उपर उठि सभ राजनीतिक, सामाजिक आ प्रशासनिक पदादिकारीकेँ आमंत्रित कएल जाएत। एहि अवसर पर भव्य सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजनक निर्णय लेल गेल। एहिमे धरोहर मंचक प्रस्तुतिक संग हास्य व्यंग्य कवि सम्मेलनमे डा॰ जय प्रकाश चौधरी जनक, डा॰ विद्याधर मिश्र केँ आमंत्रित करबाक संग मैथिली मंचक स्थापित गायिक रंजना झाकेँ आमंत्रित करबाक निर्णय लेल गेल। मौका पर सामाजिक स्तर पर उत्कृष्ट काज करबा लेल समाज सेवी केँ सम्मानित कएल जाएत।

0 comments:

Post a Comment