Friday, August 22, 2014

प्रवीण कश्यप केँ युवा आ जीवकांत केँ बाल साहित्य अकादमी पुरस्कार भेटल

गुवाहाटी/मधुबनी : साहित्य अकादमी, नई दिल्ली आइ मैथिलीक युवा आ बाल पुरस्कारक घोषणा कऽ देलक। भगवानपुर कौआहा मधुबनी निवासी युवा साहित्यकार प्रवीण कश्यप केँ हुनक पहिल पोथी विषदंती वरमाल कालक राति(काव्य संग्रह) लेल देशक प्रतिष्ठित साहित्य अकादमी युवा पुरस्कार सं पुरस्कृत करबाक घोषणा कएल गेल।


ओतहि मैथिलीक मूर्धन्य साहित्यकार जीवकांत केँ मरणोपरांत हुनक पोथी 'हमर अठन्नी खसल बौन मे' लेल अकादमीक बाल साहित्य पुरस्कार देबाक निर्णय लेल गेल। स्व. जीवकांत केँ चारि बरख पहिलहुं मैथिली पोथी 'तकैत अछि चिरै' लेल साहित्य अकादमी पुरस्कार भेटल अछि।

साहित्य अकादमी दिल्लीक सामान्य परिषदक गुवाहाटी मे भेल बैसारमे दुनू पुरस्कारक घोषणा कएल गेल। अकादमीक मैथिलीक प्रतिनिधि डा.वीणा ठाकुर आइ इ जनतब मीडिया केँ देलनि। सम्मानित हेबा पर युवा साहित्यकार प्रवीण बतौलनि जे एहि पुरस्कारके बाद हुनक लेखनी आओर समृद्ध होएत। 2010 मे दिल्ली मे भेल कॉमनवेल्थ गेम्स मे मैथिलीमे अप्पन कविता सुना विदेशी मेहमान केँ सेहो प्रवीण कश्यप प्रभावित कऽ चुकल छथि।

0 comments:

Post a Comment