Showing posts with label आंतक. Show all posts
Showing posts with label आंतक. Show all posts

Friday, April 11, 2014

NIA टीम फेर पहुंचल दरभंगा

दरभंगा : प्रतिबंधित इंडियन मुजाहिदीन क आतंकी अबुल मिकास अफजल केँ तकबा लेल राष्ट्रीय जांच एजेँसी जिलाक बाढसमईला गाम मे बीतल काल्हि छापेमारी केलक।
सूत्रक मानी तऽ अफजल केँ तकबा लेल जिलाक केवटी थाना क बाढसमईला गाम स्थित ओकर पैतृक आवास पर छापेमारी कएल गेल। छापेमारी क बीच अफजल तऽ नहि भेटल मुदा हुनक पिता मोहम्मद बरकत सं ओकरा संबंधमे जानकारी लेल गेल अछि।
मोहम्मद बरकत अफजल क बारेमे कोनो तरह जनतब हेबा सं इंकार केलन्हि संगे कहलनि जे सप्ताह भरिमे अफजल सं NIA टीम केँ भेट करबा देब। बताबी जे 6 माह पहिलहो अफजल के तकबा लेल जांच एजेंसी टीम बाढसमईला आयल छल। एहि गाम सं पिछला बरख एहि प्रतिबंधित संगठन क फसी महमूद आ एकटा आन केँ जांच एजेंसी गिरफतार केने छल।

Thursday, April 3, 2014

मिथिलाक दू दर्जन युवक केँ ताकि रहल NIA

मुजफ्फरपुर/पूर्णिया : तहसीन अख्तर क गिरफ्तारीक बाद देशमे आतंकी हमलाक खतरा नहि टलल अछि, खुफिया एजेंसीक मानी, तऽ इंडियन मुजाहिदीनक क मिथिला मॉडय़ूल अखनो पैघ आतंकी घटना केँ अंजाम दऽ सकैत अछि। यासीन भटकल आ तहसीन अख्तर मिथिलाक संग झारखंड, पूर्वी उत्तर प्रदेश आ राजस्थान मे मजबूत नेटवर्क तैयार केने अछि।
खुफिया एजेंसी मिथिलाक दू दर्जन सं फाजिल एहन युवक केँ ताकि रहल अछि, जे यासीन आ तहसीन सं केरल मे आतंकक प्रशिक्षण लेलनि। मुजफ्फरपुर, दरभंगा आ पूर्णिया क युवक पढ़ाई लेल दक्षिण भारत गेल छलथि। अखन हिनक कोनो अता-पता नहि अछि। आइबी आ एनआइए हिनक परिजन सं लगातार संपर्क मे अछि। सूत्रक मानी तऽ इ युवक भारतक सुरक्षा लेल चुनौती बनल छथि।
सुर्क्षा एजेंसीक मानब अछि जे IM केर शीर्ष आतंकीक गिरफ्तारीक बाद इ युवक कोनो पैघ आतंकी घटना केँ अंजाम दऽ सकैत छथि।

Wednesday, March 5, 2014

नमो केर रैलीसं पहिले पूर्णियामे आतंकवादी केलक रेकी, आइबी केलक पुष्टि

पूर्णिया : आतंकवादी नरेन्द्र मोदीक 10 मार्च मे होबय वला रैली मे हमला कऽ सकैत छथि। इंडियन मुजाहिद्दीन आ लश्कर-ए-तैयबा सं जुड़ल आतंकी द्वारा पूर्णिया मे रेकी करबाक सूचना अछि।

Sunday, September 1, 2013

मिथिला कियैक बनल आतंकी लेल सेफ जोन - पाठकक प्रतिक्रिया

प्रतिक्रिया

* Ganesh Maithil
नेपाल सीमासं नजदीक होएबाक कारणे आ किछु स्वार्थी नेता लोकनि कारणे इ मैथिलाक सहनशीलताक कारणे

* Kamlesh Jha
नेपाल संग खुजल बार्डरक कारणे

* Rakesh Singh
मैथिल रोजरोटी लेल आन ठाम जाइत छथि। दोसर जल्दी केकरो शक नहि होएत, तेसर नेपाल बार्डर सोझां अछि

* Naboo Madan Jee
बांग्लादेशसं मिथिला क्षेत्रमे काफी घुसपैठ भऽ रहल अछि आ ओ सभ आसानीसं संगठन बना लैत अछि आ नेपालसं खुजल बार्डर हेबाक कारणे सेफ जोन अछि। दरभंगा, पूर्णिया, कटिहार, किशनगंज आ मधुबनी सबसं फाजिल प्रभावित अछि

* Er Tej Nath Jha
नहि मिथिलाक लोक संरक्षण दैत अछि वा नहि कोनो नेता। हम्मर मिथिलामे सभ किछु भऽ सकैत अछि मुदा देशक प्रति गद्दारी नहि। एकर एकमात्र कारण नेपालक खुला सीमा अछि जे आतंकी सभक सेफ जोन बनल जा रहल अछि। ओ तऽ धन्यवाद देबाक चाही जे SSB केँ जवान जे दिन राति सीमा पर रहैत छथि

* Ratneshwar Jha
सचेत आ शिक्षित लोकक समाजसं पलायन संगहि मदिरापानक प्रसार लोककेँ
सामाजिक सोच प्रभावित केलक। एहि पार आ ओहि पार बेटी-रोटीक संबंध अछि, अज्ञानी लोक एहि विषयमे नहि बाजथि।
*Mritunjay Guddu Shandilya आतंकवादी सब मिथिलाक अशिक्षित युवा के ब्रेन वाश कैर के, ओकर दिमाग में देश के प्रति नफरत फैला रहल अछि! जकर कारन छियै मिथिला के गरीबी आ अशिक्षा! * Ram Narayan Jha गरीबी, बेरोजगारी,रोजगार और उच्च तकनिकी शिक्षा हेतु पर- प्रान्त में पलायन, विकासमे भेदभाव के कारने लालचमे युवा भटकी रहल अछि * Santoshi Kumar कि मिथिला आतंकिक सुरक्षित ठेकान भेल जा रहल अछि........? उपर्युक्त विषय चर्चा मे आबि रहल अछि। कतेक सही-कतेक गलत विचारब आवश्यक अछि। कोनो जगह पर प्रथा, प्रचलन आ आतंकिक ठेकान महज किछु दिनक अथवा छोट कालखण्डक स्थिति नहि भऽ सकैत अछि। कोनो जगह पर एकमात्र सरीफ लोक तऽ रहि सकैत छथि, मुदा दुराचारी कतौ एसगर नहि रहि सकैत अछि। कियो-न-कियो स्वार्थलिप्सा मे ओकर समर्थन अवस्य करत तखनहि ओ वास कऽ सकैत अछि। मिथिला जँ आतंकिक सुरक्षित ठेकान भेल जा रहल अछि तऽ एकर पाछु कोनो एक टा कारण कहब अतिशयोक्ति होयत। सबसँ पहिलुक कारन जँ कहि तऽ समाजक ओहि सोचक दोस अछि जाहि मे परदेस मे बेसी पाई कमेनहारक प्रसंशा होइत अछि, बिना एहि बातक ग्यानक कि ओ व्यक्ति सरकारी वित्तीय सहायता अथवा वैध व्यवसायक बिना एतेक पाई कोना कमाइत अछि। (बेसी मैथिल आतंकी जे पकरैल अछि ओ रोजगारे के तलाशमे परदेस गेल छल)। रोजगारक कम अवसर प्रदान करै बला राज्य मे नवयुवकक यैह स्थिती रहैत अछि, पाई कमायल जाय, रास्ता चाहे जे हो। दोसर कारण ई अछि जे पुरवर्ती बिहार सरकार सभक (कोनो एकनहि) शासनकाल मे सत्ता-दल आ मीडीया द्वारा अपराधीक ततेक बेसी महिमा-मंडनकयल गेल जकर परिणाम अपराध केँ दोषक बदला शान बुझल जाय लागल। अपराधी केँ समाजिक बहिष्कारक बदला वोटक शक्ति दऽ पुरस्कृत कयल गेल। अपराधबोध शून्य हेबाक कारने ककरो अपराध कर सँ कोन परहेज भऽ सकैत अछि....? मैथिल (कोनो जाति विशेष नहि, सब) सतत बुद्धीजीवी भेल अछि, जँ ओकर उर्जाक सहि प्रयोग नहिहोयत तऽ नीश्चित रूपें दुष्प्रयोग होयत आ दिसाहीन भऽ "Spoiling-geneous"k काज करत। आतंकिक पक्ष मे स्वार्थलिप्सित राजनितिक पार्टिक बयानबाजी सेहो अतंकी मे शासनक भय समाप्त कऽ कानून केँ ठेंगा देखेबाक प्रोतसाहन दैत अछि। पछिला किछु समय मेसमाजिक ताना-बाना सँ ततेक बेसी छेड़-छाड़ कयल गेल जे सब मे व्यक्तिवादी सोच विकसित भऽ गेल अछि। अपन अलावा कियो भी दोसराक नीक-बेजाय घटना सँ कोनो मतलब नहि राख चाहैत छथि जकर फायदा कुकृत्य केनिहार केँ भेटि रहल अछि, अर्थात् शिक्षित आ संस्कारी लोक सभ अपना केँ Drawing-room मे ततेक बेसी सिमित कऽ लेने छथि जे समाज मे कियो सही-गलत बुझेनिहार नहि देखैत अछि। समाजिक सरोकार बला कियो व्यक्ति जँ सामने अबितो छथि तऽ हुनक मकसद वोट-राजनिती सँ इतर किछु नहि रहैत अछि। जाहि समुदाय विशेषक लोक आतंकी कार्य मे लिप्त बेसी पकरा रहल छथि ओ पूरा देसक समस्या छी मात्र मिथिले टाकनहि। एकर पाछु कारण सही शिक्षाक अभाव, धार्मिक अंधभक्ती आ उन्माद, इस्लामिक देसक प्रति लगाव आ वतनपरस्तिक अभाव अछि। बिहार पुलीसक निष्क्रीयता आ नैतिक पतन एकरा लेल ओतबेक जीम्मेदार अछि जतेक की कोनो आन कारण। नेपाल संग खुजल सीमाक जतऽ तक बात अछि तऽ ई कोनो एखने नहि खुजि गेल, सब दिन सँ खुजले छल। सुरक्षाबलक सक्रीयता बढ़बे कयल अछि। एहि सँ बेसी उत्तरदायी सीमांचलक ओ लोक छथि जे स्वार्थलिप्सा मे आतंकी केँ सरण दऽ रहल छथि। अंत मे एतबेक कहऽ चाहब जे आधुनिक युगक अंधानुकरन सँ मैथिल मे सालीनता, सभ्यता आ भयक अभाव भेल जा रहल अछि जकर कुपारिणाम सामने आबि रहल अछि। जाहि आतंकवादक आगि मे पूरा देस जरि रहल अछि ओहि धधराक किछु ताप मिथिलो मे पहुँच रहल अछि। शांत आ शीतल मिथिलाक लेल इहो ताप असह्य अछि।

NIA बिहारमे खोलत ब्रांच ऑफिस

पटना : राष्ट्रीय सुरक्षा एजेंसी (NIA) बिहारमे शाखा कार्यालय स्थापित करबा पर विचार कऽ रहल अछि। NIA केर महानिदेशक शरद कुमार मुख्य सचिव अशोक कुमार सिन्हा आ डीजीपी अभयानंदसं भेँट केलनि। ओ राज्यमे NIA द्वारा कएल जा रहल जांच केर मामलाक प्रगति कऽ लऽ चर्चा केलनि। ओ दरभंगा, मधुबनी, गया लगाइत लगक क्षेत्रमे जांचक बढ़ैत दायरा केँ देखैत NIA केर शाखा कार्यालय स्थापित करबाक विचार रखलनि, एहिमे बिहार सरकारक सहयोगक अपेक्षा जतौलनि आ डीजीपी अभयानंद हुनका आश्वस्त केलनि जे NIA टीम केँ बिहार पुलिस प्रशासन द्वारा हरसंभव सहयोग देल जाएत।

सूत्रक मानी तऽ उत्तरी मिथिलामे एकर ब्रांच ऑफिस खुजबाक संभावना अछि!

आतंकक नव राजधानी बनैत मिथिला

रक्सौल/मधुबनी/­दरभंगा पूर्णिया : आतंकवदी संगठन इंडियन मुजाहिदीनक सह-संस्थापक आ भारतक संग कतेको देशक एजेंसीक वांछित यासीन भटकल आ असादुल्लाह अख्तर उर्फ हड्डी केर गिरफ्तारीसं मिथिलामे आतंकवादी गतिविधिक एकटा आओर पुख्ता सबूत भेटल। ओना मिथिला क्षेत्रसं आतंकवादी केर गिरफ्तारीक इ कोनो पहिल मामला नहि अछि। एहिसं पहिलहु कतेको आतंकवादीक गिरफ्तारी भऽ चुकल अछि मुदा भटकल सन शीर्ष आतंकवादीक गिरफ्तारी मिथिलामे आतंकवादीक जड़ि मजबूत हेबाक आशंका आओर बढ़ा देलक अछि।
आतंकवादीक गिरफ्तारीक बाद पूछताछक बीच सुरक्षा एजेंसी केँ ऐहन सबूत भेटल अछि जाहिसं एहि गप्पक पुष्टि होइत अछिजे नेपालक रास्तासं आतंकवादी बिहारक सीमामे घुसैत अछि। सुरक्षा अधिकारीक मानी तऽ, देशक विभिन्न क्षेत्रमे भेल आतंकवादी घटनाक बाद संदिग्ध केर तकबामे एजेंसी आन राज्यक संग-संग मिथिला सेहो अबैत रहैत अछि। बिहार आ नेपालक सीमा खुलज रहबाके कारणे आतंकवादी एकर उपयोग देशमे जेबा-ऐबा लेल करैत अछि। बरख 2010मे बांग्लादेश भगबाक फिराकमे एकटा संदिग्ध तालिबानी आतंकी गुलाम रसूल उर्फ मिर्जा खान केँ पूर्णिया पुलिस गिरफ्तार केने छल। ओना एजेंसी एहि बातक लऽ आश्वस्त छल जे बिहारमे आतंकवादी घटना नहि होएत मुदा बोधगयामे विस्फोटक बाद एजेंसीक इ धारणा बदलि गेल।
एजेंसीक सूत्रक कहब अछि जे यासीन भटकलदेशमे आतंकवादी घटना केलाक बाद दरभंगा आ मधुबनीमे नुकाइत छल। किछु दिन पहिले एहने नुकाएल ठाम पर छापा मारि सुरक्षा एजेंसी केँ संदिग्ध वस्तु भेटल अछि। पछिला 10 बरखमे आतंकी गतिविधिमे रहबाक आरोपमे मिथिलाक्षेत्रसं दर्जन भरिसं बेसी संदिग्धक गिरफ्तारी भऽ गेल अछि।
दरभंगा जिलाक लहेरियासराय थाना क्षेत्रसं भटकलक सहयोगी मानल जाय वला मोहम्मद दानिश अंसारी केँ एहि बरख जनवरीमे गिरफ्तार कएल गेल छल। पुलिस आंकड़ाक मुताबिक बरख 2000मे सीतामढ़ी जिलासं आतंकवादी संगठन हिजबुल मुजाहिदीनक सदस्य मकबूल आ जहीर केँ गिरफ्तार करबामे पुलिस केँ सफलता भेटल छल जखन की 20 जुलाई, 2006 केँ मुंबई ATS टीम मधुबनी जिलाक बासोपटी गामसं मोहम्मद कमाल अंसारी केँ मुंबईमे भेल श्रृंखलाबद्ध विस्फोटक आरोपमे गिरफ्तार केने छल।
एकरा बाद 12 नवंबर, 2007 केँ मधुबनीक रहनिहार मोहम्मद सबाउद्दीन उर्फ फरहान केँ जयपुर केर रामपुर स्थित केन्द्रीय रिजर्व पुलिस बल (CRPF) शिविर पर गोलीबारी करबाक आरोपमे गिरफ्तार कऽ लेल गेल। एकरा बाद दिल्लीमे सरोजनी नगरमे भेल विस्फोटक मामिलामे नौ जुलाई, 2008 केँ उत्तर प्रदेश आतंकवाद निरोधी दस्ते (ATS) लखनऊसं मधुबनीक रहनिहार पप्पू खान केँ गिरफ्तार केने छल।
कनिके दिन बाद 14 अक्टूबर, 2008 केँ उत्तर प्रदेश (ATS) मधुबनीक रहनिहार मोहम्मद खलील केँ पकड़ने छल आ 17 अगस्त, 2009 केँ आतंकवादी संगठन एलईटी केर आतंकवादी उमर मदानी (मधुबनीक बासोपटी निवासी) केँ दिल्लीसं गिरफ्तार कएल गेल छल। पुलिस आंकड़ाकेँ मानी तऽ, रामपुरमे CRPF केँ शिविर पर हमला करबाक आरोपमे 2010 मे मधुबनीक गंधवारीसं मोहम्मद शबाउद्दीन गिरफ्तारी भेल छल। बरख 2010केर जनवरीमे गुप्त सूचनाक आधार पर पूर्णिया रेलवे स्टेशनसं अलकायदाक आंतकी मिर्जा खान केँ गिरफ्तार कएल गेल, तऽ 17 अगस्त, 2011 केँ हुजी केर आतंकी रियाजुल केँ किशनगंजसं पकड़ल गेल छल।
एक बेर फेर ATS केर टीमकेँ सफलता भेटलजखन मधुबनीसं 24 नंवबर, 2011 केँ इंडियन मुजाहिदीनक आतंकी अहमद जीमल आ मोहम्मद अजमल केँ गिरफ्तार कएल गेल। पछिला नवंबर महीनामे चेन्नई पुलिसक विशेष शाखा इंडियन मुजाहिदीनक आतंकवादी आ समस्तीपुरक रहनिहार इरशादखान केँ गिरफ्तार केलक आ 12 जनवरी, 2012 केँ इंडियन मुजाहिदीनक नकवी आ नदीम केँ दरभंगासं गिरफ्तार केलक, फेरमई 2012 केँ आतंकवादी घटनाक आरोपमे कर्नाटक पुलिस दरभंगासं कफील अख्तर केँ गिरफ्तार केने छल!

Friday, August 30, 2013

IM सरगना यासीन भटकल धराएल

दरभंगा : भारतीय पुलिसक नीन उड़ौनिहार इंडियन मुजाहिदीनक संस्थापक सदस्य यासिन भटकल भारत-नेपाल बार्डरक रक्सौल क्षेत्रसं धराएल। मिथिलाकेँ आतंकक गढ़ बनौनिहार यासीन भटकल केर गिरफ्तारीसं बिहार पुलिस राहत केर सांस लेलक अछि। भटकल केँ भारतक 12 राज्यक पुलिस ताकि रहल अछि। दरभंगामे पैघ समय धरि गुमनाम रहि भटकल कतेको युवाकेँ इंडियन मुजाहिदीनसं जोड़लक। पछिला किछु समयमे इंडियन मुजाहिदीनसं ताल्लुक रखबाक आरोपमे गिरफ्तार 13 लोकमे दरभंगा आ लगक होएबासं मिथिला केँ एहि आतंकी संगठनक गढ़क रूपमे देखल जा रहल छल। मिथिला सन शांति प्रदेशसं IM आतंकी केर गिरफ्तारीक कारण दरभंगा मॉड्यूल शब्द चलनमे आएल मुदा राष्ट्रीय जांच एजेंसी (NIA) दिससं केल गेल एहि शब्द पर बिहार सरकार आपत्ति जतौने छल। भटकल केर संग ओकर दाहिना हाथ मानल जाइ वला असदुल्लाह अख्तर केर गिरफ्तारीसं मैथिलकेँ आब उमीद अछि जे आब मिथिलाकेँ आतंकवादी सभसं मुक्ति भेटत।
भटकल दिल्लीक बटला हाउस कांडसं जुड़ल आजमगढ़ मॉड्यूल केर खुलासाक बाद मुस्लिम बहुल क्षेत्रक संग-संग भौगोलिक स्थितिकेँ देखैत दरभंगा केँ अप्पन ठिकानाक रुपे चुनने छल। तेज तर्रार मैथिल युवाकेँ गुमराह कऽ ओकरा आतंक केर बाट पर आनय वला भटकल अप्पन योजना केँ सफल बनेबामे एतेक शातिर अछि जे जाहि शख्स केर गिरफ्तारी भेल, पहिल नजरमे ओकरा आतंकसं जुड़ल हेबाक संदेह धरि नहि भेल।
देशमे कतेको ठाम पर भेल बम विस्फोटमे लिप्तता केर आरोपमे पछिला किछु समयमे गिरफ्तार भेल लोकमे असादुल्लाह रहमान उर्फ दिलकश, कफील अहमद, तलहा अब्दाली उर्फ इसरार, मुहम्मद तारिक अंजुमन, हारून राशिद नाइक, नकी अहमद, वसी अहमद शेख, नदीम अख्तर, अशफाक शेख, मुहम्मद आदिल, मुहम्मद इरशाद, गयूर अहमद जमाली आ आफताब आलम उर्फ फारूक शामिल हैं। एहिसं एकटा मुहम्मद आदिल पाकिस्तान अछि, बाकी 12 दरभंगा जिलाक रहनिहार अछि। एहि 13 संदिग्ध आतंकीमे सं 6 दिल्लीक तिहाड़ जेलमे, 4 बेंगलूरू आ 3 मुंबई केर जेलमे बंद अछि। एहि संदिग्ध आतंकी केर गिरफ्तारी लेल दरभंगा आ मधुबनीमे दिल्ली आ मुंबई पुलिसक संग-संग NIA लगातार छापा मारैत रहल। हरेक बेर एकटा न एकटा कोनो संदिग्ध आतंकी एहि टीमक हाथ आएल।

Monday, January 21, 2013

दरभंगा सऽ धराएल इंडियन मुजाहिद्दिनक(IM) सरगना

दरभंगा/नई दिल्ली : राष्ट्रीय जांच एजेंसी (NIA) इंडियन मुजाहिद्दिन (IM) केर एकटा शीर्ष आतंकवादी आ संगठनक संस्थापक यासीन भटकल केर कथित नजदीकी सहयोगी केँ सोम दिन मिथिलाक दरभंगा जिला सऽ गिरफ्तार केलक अछि।
NIA दिस सऽ धराएल आतंकवादीक पहिचान मोहम्मद जफीर अंसारीक बेटा मोहम्मद दानिश अंसारीक रूपे भेल अछि। NIA केर अधिकारी लोकनि द्वारा गिरफ्तार मोहम्मद दानिश अंसारी दरभंगाक लहेरियासराय पुलिस थाना क्षेत्र स्थित चकजोरा गामक रहय वला अछि।
सूत्रक मुताबिक पछिला बरख दिल्लीक एकटा विशेष NIA अदालत दानिशक खिलाफ गैर-जमानती वारंट जारी कएने छल। भारतीय सुरक्षा एजेंसी बहुत दिन सऽ दानिशक तलाशमे छल। एजेंसीक दावा अछि जे ओ भटकल केँ रहय लेल सुविधा उपलब्ध करौने छल जे कथित तौर पर अखन पाकिस्तानमे नुकाएल अछि।
दानिश एकटा आन आतंकी वारदातमे सेहो वांछित छल जेकरक जांच दिल्ली पुलिस कऽ रहल अछि। दरभंगा प्रक्षेत्रक पुलिस महानिदेशक सुधांशु कुमार मोहम्मद दानिशक गिरफ्तारीक पुष्टि करैत बतौलनि जे NIA केर टीम गिरफ्तार आरोपी केँ काल्हि मुख्य न्यायिक दंडाधिकारीक सोझा पेश करबाक बाद ओकरा अपना संगे ट्रांजिट रिमांड पर दिल्ली लऽ जाएत।
ओ बतौलनि जे इंडियन मुजाहिद्दिनक संदिग्ध आतंकवादी केँ दरभंगाक रयाम थाना क्षेत्र सऽ पकड़ल गेल अछि।

Tuesday, October 23, 2012

आंतकक गढ़ बनल मिथिला


मिथिला आंतकक गढ़ बनल जा रहल अछि आ नितीश-नियंत्रित बिहार सरकार पटना, नालंदा आ मगध में ओझराएल अछि। किछ लोग श्री नितीश जी कें प्रधानमंत्री पद के जोग बुझि रहल छथिं। एहन बेक्ती अगर प्रधानंत्री बनियो गेल, त’ ओकरा पटना, नालंदा आ मगध सँ आगू आर किछ नञिं सुझतन्हिं।

जँ एहन क्षेत्रवादी लोग भारतक प्रधानमंत्री बनि गेलै, त’ ओकर प्रथम प्राथमिकता होतै –नालंदा, दोसर प्रथमिकता –पटना, आ तेसर प्रथमिकता मगध। देशक बाकी हिस्सा में आतंक आ नक्सलबाद फलतै-फुलतै।

मिथिला में भेल घटनाक श्रृंखलाः
20 जुलाई 2006 – मधुबनी जिलाक बासोपट्टी बाजार सँ मो.कमाल केर गिरफ्तारी
एक जनवरी 2008 - मधुबनी जिलाक सकरी थानान्तर्गत गधवारी गाम सँ सबाउद्दीन केर गिरफ्तारी
2009 में मधुबनीक बासोपट्टीक बलकटवा सँ मदनी केर गिरफ्तारी
26 नवम्बर 2011 - मधुबनीक सिंघानिया चौक सँ अफजल केर गिरफ्तारी आ सकरीक दरबार टोला सँ गुएल अहमद जमाली केर गिरफ्तारी
19 नवम्बर 2011 - केवटीक बाढ़ समैला गाम सँ कतील सिद्दीकी उर्फ साजन केर गिरफ्तारी
12 जनवरी 2012 - नदीम आ नक्की केर गिरफ्तारी; दरभंगा जिलाक जाले थाना क्षेत्रक देवड़ा बंधौली गामक निवासी छलाह
21 फरवरी 2012 - शिवधारा में साइकिल मिस्त्री कफील अहमद गिरफ्तार
छओ मई - मो.कफील अख्तर गिरफ्तार
13 मई - फसीह महमूद