Monday, January 21, 2013

दरभंगा सऽ धराएल इंडियन मुजाहिद्दिनक(IM) सरगना

दरभंगा/नई दिल्ली : राष्ट्रीय जांच एजेंसी (NIA) इंडियन मुजाहिद्दिन (IM) केर एकटा शीर्ष आतंकवादी आ संगठनक संस्थापक यासीन भटकल केर कथित नजदीकी सहयोगी केँ सोम दिन मिथिलाक दरभंगा जिला सऽ गिरफ्तार केलक अछि।
NIA दिस सऽ धराएल आतंकवादीक पहिचान मोहम्मद जफीर अंसारीक बेटा मोहम्मद दानिश अंसारीक रूपे भेल अछि। NIA केर अधिकारी लोकनि द्वारा गिरफ्तार मोहम्मद दानिश अंसारी दरभंगाक लहेरियासराय पुलिस थाना क्षेत्र स्थित चकजोरा गामक रहय वला अछि।
सूत्रक मुताबिक पछिला बरख दिल्लीक एकटा विशेष NIA अदालत दानिशक खिलाफ गैर-जमानती वारंट जारी कएने छल। भारतीय सुरक्षा एजेंसी बहुत दिन सऽ दानिशक तलाशमे छल। एजेंसीक दावा अछि जे ओ भटकल केँ रहय लेल सुविधा उपलब्ध करौने छल जे कथित तौर पर अखन पाकिस्तानमे नुकाएल अछि।
दानिश एकटा आन आतंकी वारदातमे सेहो वांछित छल जेकरक जांच दिल्ली पुलिस कऽ रहल अछि। दरभंगा प्रक्षेत्रक पुलिस महानिदेशक सुधांशु कुमार मोहम्मद दानिशक गिरफ्तारीक पुष्टि करैत बतौलनि जे NIA केर टीम गिरफ्तार आरोपी केँ काल्हि मुख्य न्यायिक दंडाधिकारीक सोझा पेश करबाक बाद ओकरा अपना संगे ट्रांजिट रिमांड पर दिल्ली लऽ जाएत।
ओ बतौलनि जे इंडियन मुजाहिद्दिनक संदिग्ध आतंकवादी केँ दरभंगाक रयाम थाना क्षेत्र सऽ पकड़ल गेल अछि।

0 comments:

Post a Comment