आयोजित सभाकेँ संबोधित करैत समितिक महासचिव प्रो॰ उदय शंकर मिश्र कहलनि जे भारत सरकार तेलांगना राज्यक घोषणा करय वला अछि, मिथिला राज्य घोषणा एकर संग होए। ओ कहलनि जे मिथिला बहुत पिछड़ल अछि। भारत सरकारक बरक 2011-12 के सर्वेक अनुसार मिथिला क्षेत्रक प्रतिव्यक्ति आय 7 हजार सऽ कम अछि। ओतय पटनाक लगमग 49 हजार आ दिल्लीक 1 लाख 20 हजार वार्षिक आय अछि। इ दखौबैत अछि जे इ इलाका दिल्ली आ पटनाक उपनिवेश अछि। श्री मिश्र कहलनि जे एतय सऽ पलायन कऽ गेल लोकक मनीआर्डर सऽ क्षेत्रवासीक जीवन-यापन होइत अछि। एतय प्राकृतिक संसाधन प्रचुर मात्रामे अछि मुदा एकर सदुपयोग नहि भऽ रहल अछि।
दरभंगाक संगे समिति जयनगर, मोतिहारी, शिवहर आदिमे सेहो धरना देलक।
0 comments:
Post a Comment