सूत्रक अनुसार चीनक सहयोग सऽ नेपाल मे एक्के टा एयरपोर्टक निर्माणक योजना नहि अछि। पोखरामे सेहो एयरपोर्ट बनि रहल अछि। सुरक्षा विश्लेषक मानी तऽ चीन, भारत केँ घेरबाक अपन दीर्घकालिक योजनाक अंर्तगत नेपालक एयरर्पोट निर्माणमे सहयोग दऽ रहल अछि। सीमावर्ती क्षेत्रमे एयरपोर्ट निर्माण सऽ भारतीय क्षेत्रक सामरिक ठिकाना केँ निगरानी आसानी सऽ कएल जा सकत। संगे अंर्तराष्ट्रीय सीमा पर सामरिक रुपे जटिलता उत्पन्न होएबाक खतरा बढ़ि जाएत।
भारत-नेपाल सीमा पर एयरपोर्ट बना रहल चीन
बंदीपुर/सिरहा/दरभंगा/नई दिल्ली : भारतीय सीमा सऽ सटल नेपालक सिरहामे चीन एयरपोर्ट बनयबाक तैयारीमे अछि। सिरहाक बंदीपुरमे बनय वला एयरपोर्टक सर्वेक काज पूरा भऽ गेल अछि। 25 एकड़मे एकर निर्माण होएबाक अछि। बंदीपुरमे नेपाली सेनाक छावनी अछि। भारतीय सीमा सऽ बंदीपुर एयरपोर्टक दूरी लगभग 30 किलोमीटर आ हवाई दूरी लगभग 10 किलोमीटर अछि। सामरिक दृष्टिये भारतक लेल इ खतराक घंटी अछि। एयरपोर्ट बनबाक सूचना सऽ भारतीय सुरक्षा आ खुफिया एजेँसी सभमे हड़कप अछि। एकर सूचना केँद्र सरकार के पठा देल गेल अछि।
सूत्रक अनुसार चीनक सहयोग सऽ नेपाल मे एक्के टा एयरपोर्टक निर्माणक योजना नहि अछि। पोखरामे सेहो एयरपोर्ट बनि रहल अछि। सुरक्षा विश्लेषक मानी तऽ चीन, भारत केँ घेरबाक अपन दीर्घकालिक योजनाक अंर्तगत नेपालक एयरर्पोट निर्माणमे सहयोग दऽ रहल अछि। सीमावर्ती क्षेत्रमे एयरपोर्ट निर्माण सऽ भारतीय क्षेत्रक सामरिक ठिकाना केँ निगरानी आसानी सऽ कएल जा सकत। संगे अंर्तराष्ट्रीय सीमा पर सामरिक रुपे जटिलता उत्पन्न होएबाक खतरा बढ़ि जाएत।
सूत्रक अनुसार चीनक सहयोग सऽ नेपाल मे एक्के टा एयरपोर्टक निर्माणक योजना नहि अछि। पोखरामे सेहो एयरपोर्ट बनि रहल अछि। सुरक्षा विश्लेषक मानी तऽ चीन, भारत केँ घेरबाक अपन दीर्घकालिक योजनाक अंर्तगत नेपालक एयरर्पोट निर्माणमे सहयोग दऽ रहल अछि। सीमावर्ती क्षेत्रमे एयरपोर्ट निर्माण सऽ भारतीय क्षेत्रक सामरिक ठिकाना केँ निगरानी आसानी सऽ कएल जा सकत। संगे अंर्तराष्ट्रीय सीमा पर सामरिक रुपे जटिलता उत्पन्न होएबाक खतरा बढ़ि जाएत।
0 comments:
Post a Comment