मिथिला आंतकक गढ़ बनल जा रहल अछि आ नितीश-नियंत्रित बिहार सरकार पटना, नालंदा आ मगध में ओझराएल अछि। किछ लोग श्री नितीश जी कें प्रधानमंत्री पद के जोग बुझि रहल छथिं। एहन बेक्ती अगर प्रधानंत्री बनियो गेल, त’ ओकरा पटना, नालंदा आ मगध सँ आगू आर किछ नञिं सुझतन्हिं।
जँ एहन क्षेत्रवादी लोग भारतक प्रधानमंत्री बनि गेलै, त’ ओकर प्रथम प्राथमिकता होतै –नालंदा, दोसर प्रथमिकता –पटना, आ तेसर प्रथमिकता मगध। देशक बाकी हिस्सा में आतंक आ नक्सलबाद फलतै-फुलतै।
मिथिला में भेल घटनाक श्रृंखलाः
20 जुलाई 2006 – मधुबनी जिलाक बासोपट्टी बाजार सँ मो.कमाल केर गिरफ्तारी
एक जनवरी 2008 - मधुबनी जिलाक सकरी थानान्तर्गत गधवारी गाम सँ सबाउद्दीन केर गिरफ्तारी
2009 में मधुबनीक बासोपट्टीक बलकटवा सँ मदनी केर गिरफ्तारी
26 नवम्बर 2011 - मधुबनीक सिंघानिया चौक सँ अफजल केर गिरफ्तारी आ सकरीक दरबार टोला सँ गुएल अहमद जमाली केर गिरफ्तारी
19 नवम्बर 2011 - केवटीक बाढ़ समैला गाम सँ कतील सिद्दीकी उर्फ साजन केर गिरफ्तारी
12 जनवरी 2012 - नदीम आ नक्की केर गिरफ्तारी; दरभंगा जिलाक जाले थाना क्षेत्रक देवड़ा बंधौली गामक निवासी छलाह
21 फरवरी 2012 - शिवधारा में साइकिल मिस्त्री कफील अहमद गिरफ्तार
छओ मई - मो.कफील अख्तर गिरफ्तार
13 मई - फसीह महमूद
0 comments:
Post a Comment