भारत में मिथिलाक सभसँ पूरबी जिला किशनगंज में बनएबला तेजिपत्ता आब देशक सभटा कोना में आपन महक पसारए लेल बेताब अछि। औषधीए गुण सँ भरल तेजिपत्ताक खेती जिला में दिन दुगुना राति चौगुना केर गती सँ पसर रहल अछि। जिला में तेजिपत्ताक खेती में क्रांति आबि गेल छैक।
जतए सन् २००० में किसान लोकनिक बागवानी में एक वा दू टा तेजिपत्ताक गाछ रहैत छलै, ओतहिं आब किसान लोकनिं हजारक संख्या में तेजपत्ताक खेती करए में जुटि गेलाह अछि। एखन धरि जिला में 15 सओ सँ बेसी तेजिपत्ताक वृक्ष लगाओल जा चुकल अछि।
तेजिपत्ताक बेसी क’ फ्रांस, बेल्जिअम, इटली, रूस, मध्य आ उत्तरी अमेरिकाक साथे-साथ भारतक मेघालय, अरूणाचल प्रदेश आ नागालैण्ड में उपजाओल जाइत अछि।
जेहिं हिसाब सँ किसान लोकनि तेजिपत्ताक खेती में रूची ल’ रहल छथिं, अगर प्रसाशन प्रोतसाहन आ मदति देइक, त’ उ दिन दूर नञिं अछि, जहिया किशनगंज जिला तेजिपत्ताक सभसँ पैघ निर्यातक होएत।
0 comments:
Post a Comment