Wednesday, October 24, 2012

गठित होएत जानकी सेना

मधुबनी: जानकी नवमी यात्रा समिति केर तत्वावधान में आजु जानकी सेना के गठन कैल जाओत।सेना में युवा वर्ग के शामिल कैल जाओत।जानकी सेना केर मुख्य उद्देश्य मिथिलाक सांस्कृतिक जागरण,जनसेवा,आपातकाल सेवा,नि:शक्त असहाय लोकनिक मददि करनाय,धार्मिक अवसरि पर सेवा शिविर लगेनाय,धार्मिक स्थल के स्वच्छ रखनाय,मिथिलाक प्रतिभागी के सम्मान केनाय आ नव प्रतिभा के खोज कऽ ओकरा राष्ट्रीय स्तर धरि पहुंचाबय में मदद करनाय अछि।सेनाक संगठनक विस्तार पंचायत स्तर तक कैल जाओत।एहि में सभ वर्गक युवा के शामिल कैल जाओत।इ जानकारी सेनाक मुख्य संरक्षक मृत्युंजय झा देलैथ हँ।

0 comments:

Post a Comment