Wednesday, October 24, 2012

के बनता बिहार प्रदेश भाजपाध्यक्ष ?

बिहार मेँ जिला संगठनक चुनाव शुरु होइत देरी प्रदेश अध्यक्ष बनय लेल लामबंदी शुरु भऽ गेल हँ।अखन पूर्णिया आ बेतिया जिला मेँ चुनाव भेल हँ आ मध्य नवंबर धरि बिहारक सभ जिला मेँ चुनाव करा लेबाक लक्ष्य अछि।पार्टी संविधान मेँ संशोधन होयबाक बाद डा॰ सीपी ठाकुर के दोबारा अध्यक्ष बनय के रास्ता खुजि गेल हँ।पछिला विधानसभा चुनाव मेँ शानदार कायमाबी से हुनक दावेदारी मजबूत अछि।अन्य दावेदार मेँ विधान पार्षद मंगल पांडेय,सांसद आ पूर्व प्रदेश अध्यक्ष राधामोहन सिँह,विधायक विनोद नारायण झा,पूर्व विधान पार्षद डा॰ राजेँद्र गुप्ता आ बालेश्वर सिँह भारती शामिल छैथ।उपमुख्यमंत्री सुशील मोदी के निकटतम कहल जाय वला मंगल पांडेय आ राजेँद्र गुप्ता प्रबल दावेदार छैथ।एम्हर ताराकांत झा के बाद मिथिलाक कोनो नेता के अध्यक्ष पद लेल तवज्जो नहिँ दयबा सऽ मिथिला के लोकसभ के रिझाबय लेल विनोद नारायण झा के जगह भेटि सकैत अछि!

0 comments:

Post a Comment