बहुतो बरख सऽ अशोक पेपर मिल के विद्युतीकरणक मांग बीतल काल्हि पूरा भऽ गेल।रामनगर ग्रिड सऽ अशोक पेपर मिल धरि 33 केवीए लाइनक नवका वायरिँग करा कऽ परिसर स्थित 200 केवीए के ट्रांसफार्मर के चालू कयल गेल।एहि मौका पर मिथिला क्षेत्रीय विद्युत बोर्ड केर जीएम सह मुख्य अभियंता डीएन तिवारी कहलैथ जे पिछला दू महिना से विद्युतीकरण केर काज चलि रहल छल हँ।वायरिँग केर काज खत्म भेलाक बाद आइ एकरा विधिवित पूरा कऽ देल गेल।एहि मौका पर कार्यपालक अभियंता(ग्रामीण) नागेश्वर प्रसाद केर संगे सहायक आ कनीय अभियंता सेहो उपस्थित छलैथ।अशोक पेपर मिल परिसर मेँ मिल प्रबंधनक दिस सऽ बीपी सिँह बतौलैथ जे यदि सभ चीज ठीक-ठाक रहल तऽ छठि के बाद सऽ मिल सऽ कागज उत्पादनक कार्य शुरु भऽ जाएत।
0 comments:
Post a Comment