Wednesday, October 15, 2014

नोबेल विजेता कैलाश सत्यार्थी क कर्मभूमि रहल अछि मिथिला

मधेपुरा : कैलाश सत्यार्थी रहनिहार भलेहि मध्य प्रदेशक होइथ मुदा हुनक कर्मभूमि मिथिला सेहो रहल अछि। जेपी आंदोलन सं ल बाल मजूरक दर्जनों मुक्ति अभियान मे हुनक योगदान एतुक्का सामाजिक कार्यकर्ता कें मोन अछि। बिहारक शायदे कोनो एहन जिला होएत जतय कैलाशजी नहि गेल होथि।
बंधुआ मुक्ति मोर्चाक घूरन महतो सं ल अजय कुमार सिंह आ मोख्तारुल हक के संगे ओ सहरसा, मधेपुरा आ सुपौल जिलाक ओहि गामक खाक छनने, जाहि ठामक बाल मजूर मिर्जापुर आ भदोही क कालीन उद्योग मे मज़दूर बनि रही जायत छल। यैह कारण अछि जे हुनका पुरस्कार भेटलाक बाद मिथिलावासी मे ख़ुशी अछि।

बचपन बचाओ आंदोलनक बिहार प्रभारी मोख्तारुल हक क कहब अछि जे बिहार कें अप्पन कर्मभूमि बनौनिहार कैलाश सत्यार्थी बचपन बचाओ आंदोलनक प्रणेता छथि।

बताबी जे सत्यार्थी 1998 म अप्पन ग्लोबल मार्च आ 2001 मे शिक्षा यात्रा मे ओ बिहारक कतेको गाम गेलथि।

मिथिला प्राइम दिस सं कैलाश सत्यार्थी कें नोबेल पुरस्कार जीतबाक लेल हार्दिक बधाई।


0 comments:

Post a Comment