दरभंगा : दरभंगामे बनय वला तारामंडल पर योजना आ विकास विभागक हरियर झंडी भेट गेल। विज्ञान आ प्रावैधिकी विभाग एकर प्रस्ताव पठौने छल।
विभाग सेहो एहि पर कैबिनेट स्वीकृति द देलक अछि। जल्दिये एकर निर्माण प्रक्रिया शुरू भ जाएत। पटनाक बाद दरभंगा मे राज्यक दोसर तारामंडल होएत। एहिमे 150 लोक कें बैसबाक क्षमता रहत। 164 करोड़ आ 31 लाख रूपया सं इ तारामंडल बनत । दरभंगा पॉलिटेक्निक कॉलेज परिसर मे 3 एकड़ मे एकर निर्माण होएत। तारामंडल क संगे एतय साइंस सेंटर आ ऑडिटोरियम सेहो बनत।
0 comments:
Post a Comment