मुजफ्फरपुर : मुजफ्फरपुर कें आईटी हब तर्ज़ पर विकसित करबाक तैयारी चलि रहल अछि। विज्ञान आ प्रौद्योगिकी विभागक प्रमुख सचिव त्रिपुरारी शरण बीतल शनिक साँझ एमआइटी परिसरक संभावित ठामक निरीक्षण केलनि। आइटी पार्क बनलाक बाद मुजफ्फरपुर सिलीकॉन वैलीक नामे जानल जाएत। एकरा ल बहुत दिन सं काज चलि रहल अछि। कनिक दिन पहिलहु आइटीक प्रधान सचिव संभावित ठामक निरीक्षण केने छलथि। एमआइटी संस्थान विज्ञान आ प्रौद्योगिकी विभागक अंतर्गत अबैत अछि तैं विभागक प्रधान सचिव अपनहि निरीक्षण केलथि।
बताबी जे आइटी पार्क मे कंप्यूटर तैयार करबाक योजना अछि जेकरा असेम्बल यूनिटक नामे जानल जाएत। एमआइटी क प्राचार्य एके.नाथानी बतौलनि जे एहि सं एतुक्का दू हजार सं फ़ाज़िल धिया पुता कें रोजगार भेटत। आइटी पार्क बनलाक बाद मुजफ्फरपुरक दिन बदलत।

0 comments:
Post a Comment