Tuesday, October 21, 2014

दीयाबाती दिन सं मुरलीगंज आ बनमखनी रेलखंड पर चलय लागत ट्रेन

मधेपुरा/पूर्णिया  : दीयाबाती क दिन माने 23 अक्टूबर सं मुरलीगंज आ बनमनखीक बीच 20 किलोमीटर क परिवर्तित रेलखंड पर ट्रेनक परिचालन शुरू भ जाएत। बीतल सोम कें पटना मे रेल राज्य मंत्री मनोज सिन्हा इ बतौलनि मुरलीगंज-बनमनखी रेलखंडक 20 किलोमीटर क आमान परिवर्तित रेलखंड पर रूपौली हाॅल्ट, जानकीनगर स्टेशन आ हरपत्ती हाल्ट अछि।


86 किलोमीटर पैघ मानसी-सहरसा-मुरलीगंज सेक्शनक आमान परिवर्तन कयल जा चुकल अछि आ एहि रेलखंड पर आब ट्रेनक परिचालन कयल जा रहा अछि। आब मुरलीगंज-बनमनखी रेलखंड पर ट्रेनक परिचालन शुरू भेला सं 106 किलोमीटर मानसी सं बनमनखी धरि ट्रेनक आवागमन संभव भ जाएत। इ जनतब पूर्व मध्य रेलवे क सीपीआरओ अरविंद कुमार रजक देलनि।

0 comments:

Post a Comment