Sunday, October 26, 2014

हिंदू-मुस्लिम सौहार्दक प्रतीक अछि : महापावनि छठि

वैशाली : सूर्य उपासनाक छठि नहिये मात्र लोक आस्थाक महापावनि अछि, इ हिंदू-मुस्लिमक सौहार्दक मिसाल सेहो कायम करैत अछि। मिथिला मे छठि पावनि लेल जाहि चूल्हा पर पवनोतैंन नैवैद्य बनाबै छथि ओ चुल्ही मुस्लिम परिवार द्वारा बनाओल जाइत अछि।  

एतबे नहि, मिथिलाक जोलहा-बहुल क्षेत्र बहुतो ठाम मुस्लिम महिला लोकनि आस्थाक सं छठि पावनि करै छथि।

वैशाली जिलाक विदुपुर प्रखंडक बहुतो  गाममे मुस्लिम परिवार छठि महिला लोकनि नियमपूर्वक महापावनि करै छथि। हिनक सभक कहब अछि जे छठि पावनि क महिमा अपरंपार अछि, आ भगवान कोनो एक पंत-धर्म केर नहि होइत छथि।

0 comments:

Post a Comment