फारबिसगंज/अररिया : आजुक राजनीति धर्म, सम्प्रदाय आ जातिक नाम पर बँटल अछि। राजनेता समाज कें एहि मुद्दा पर बांटी क वोटक खेल खेलाइत अछि। बिहार मे मिथिला प्रदेशक संग लगातार भ रहल भेदभावक करने मिथिला देशम पार्टी बनेबाक निर्णय लेल गेल अछि। इ गप्प पार्टीक डा. अमन कुमार आइ कहलनि।
डा. कुमार कहलनि जे मिथिलामे रहनिहार सभ जाति आ धर्मक लोक मैथिली भाषी छथि। भाषाक नाम पर कोनो टा बिखराव नहि अछि आ नहिये रहत। पार्टी 50 प्रतिशत महिलाक संग प्राथमिकताक आधार पर युवा कें आगामी विधान सभामे चुनाव मे टिकट देत। डॉ. कुमार राज्यक मुख्यमंत्री सं मिथिलाक सभ विद्यालय मे प्राथमिक शिक्षा मैथिली भाषा मे देबा लेल, तत्काल मैथिली भाषामे पाठ्य पुस्तक तैयार क विद्यालय मे बँटबाक मांग केलनि। चेतौनी दैत कहलनि जे कोनो भी सरकारी वा गैर सरकारी उपक्रम जौं मिथिला क्षेत्रमे व्यवसाय करय चाहैत अछि त ओकरा अपन प्रचार-प्रसार मैथिली भाषामे करय परत आ जौं ऐना नहि होयत त पार्टी एकरा विरुद्ध आन्दोलन करत। ओ केंद्र आ राज्य सरकार सं मिथिला क्षेत्रक सभटा रेलवे स्टेशन पर गाड़ी आगमन-प्रस्थानक सूचना मैथिली भाषामे उदघोषणा करबाक मांग केलनि। राज्य सरकार सं सभटा अस्पताल आ पंचायती राज व्यवस्थाक अंतर्गत सभ शिलापट्ट, बोर्ड मैथिलीमे लगेबाक अनुरोध केलनि। पार्टीक गतिविधिक बारे मे बताबैत ओ कहलनि जे पार्टीक महाधिवेशन 10 दिसम्बर 2014 कें सुपौलक ऐतिहासिक गांधी मैदान मे होएत।

0 comments:
Post a Comment