Monday, December 8, 2014

देवशंकर नवीन कें भेटल उत्तरप्रदेश सौहार्द सम्मान

रिपोर्ट : लखनऊ सं अमित आनंद

सहरसा/लखनऊ/नई दिल्ली : सहरसा जिलाक नवहट्टा प्रखंड निवासी आ जेएनयू , दिल्ली मे भारतीय भाषा केंद्र मे प्राध्यापक प्रो देवशंकर नवीन कें उत्तर प्रदेशक हिंदी संस्थान द्वारा बीतल रवि कें सौहार्द सम्मान सं सम्मनित कयल गेल अछि। मैथिली भाषामे उत्कृष्ट लेखन लेल हुनका इ पुरस्कार उत्तर प्रदेश सरकार द्वारा देल गेल अछि।

पुरस्कार लेत देवशंकर नवीन
एहि मे पुरस्कारक रुपे दू लाख रुपया, प्रशस्ति पत्र आ प्रतिक चिह्न देल गेल। प्रो नवीन मूलत: सहरसा जिलाक निवासी छथि। प्रो नवीन जेएनयू, नई दिल्ली सं हिंदी मे आ ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय सं मैथिली मे पीएचडी केने छथि।

0 comments:

Post a Comment