पूर्णिया : पूर्णियामे विश्वविद्यालयक मुद्दा बीतल गुरु दिन संसदमे गुंजल। सांसद संतोष कुमार कुशवाहा एतहि केंद्रीय विश्वविद्यालय खोलबाक मांग संसद मे उठौलनि।
सांसद शून्यकाल मे लोकसभा अध्यक्षक माध्यमे सरकारक ध्यान आकृष्ट कराबैत कहलनि जे नेपाल आ बंगालक सीमा सं सटल पूर्णिया प्रमंडलीय मुख्यालय अछि जे शिक्षाक संग सामाजिक आ आर्थिक रुपे पाछू अछि। सांसद कहलनि जे पूर्णियामे कटिहार, पूर्णिया, अररिया आ किशनगंज लगाइत आनो जिला सं छात्र एतय पढ़बा लेल अबैत छथि मुदा विश्वविद्यालय नहि रहबाक कारणे छात्र कें दिक्कत होइत अछि। सांसद कुशवाहा कहलनि जे मिथिलाक विकासमे एतुक्का केंद्रीय विश्वविद्यालय महत्वपूर्ण भूमिका निभा सकैत अछि। ओ सरकार सं प्राथमिकताक आधार पर पूर्णियामे विश्वविद्यालय स्थापना करबाक मांग केलनि।

0 comments:
Post a Comment