मधेपुरा : अग्रणी फ्रांसीसी कंपनी अलस्ताम 1,300 करोड़ रुपयाक विदेशी निवेश सं 800 इलेक्ट्रिक इंजनक विनिर्माण करत जेकर क्षमता भारत मे मौजूदा इंजन सं दुगुना हॉर्सपावर क' होएत.
प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी आ फ्रांसीसी राष्ट्रपति फ्रांस्वा ओलांद क' बीच बातचीतक बाद रेल क्षेत्रमे सहयोग बढ़ेबाक उद्देश्य सं दू गोट समझौता पर हस्ताक्षर क़ायल गेल. अलस्ताम आ भारतीय रेलवे मधेपुरा मे 800 इलेक्ट्रिक इंजनक उत्पादन लेल एकटा ‘शेयरधारिता समझौते’ पर हस्ताक्षर केलक अछि. समझौताक मुताबिक, मधेपुरा कारखानामे अगिला 11 बरखक दौरान 12,000-12,000 हॉर्सपावर क' 800 इलेक्ट्रिक इंजनक विनिर्माण होएत.
इलेक्ट्रिक इंजनक मौजूदा क्षमता 6,000 हॉर्सपावर क' अछि, एहि परियोजना मे 1,300 करोड़ रुपयाक विदेशी निवेश शामिल अछि जेकरा रेल क्षेत्रमे एकटा पैघ निवेश मानल जा रहल अछि. अलस्ताम पर कारखाना स्थापित करबा, लोकोमोटिव क' विनिर्माण करबा आ ओकर रखरखाव करबाक जिम्मेदारी होएत.
भारतीय रेलवे मधेपुरा इलेक्ट्रिक लोकोमोटिव परियोजनाक ठेका अलस्ताम के देबाक निर्णय नवंबरमे केने छल. दोसर समझौताक तहत फ्रांस अंबाला आ लुधियाना स्टेशनक आधुनिकीकरण मे अप्पन विशेषज्ञता उपलब्ध करायत.

0 comments:
Post a Comment