मुजफ्फरपुर/दरभंगा : आजादी सं पहिले अंग्रेजक शासनकाल मे दरभंगा-मुजफ्फरपुर रेलखंड निर्माण क निर्णय लेल गेल छल आ बरख 1905क वार्षिक बजट मे एहि परियोजना केँ जगह भेटल छल. एकरा बाद 103 बरख बाद माने 2008मे एहि परियोजनाक शिलान्यास तखुनका रेलमंत्री लालू प्रसाद यादव केलनि.
शिलान्यास समारोह काल मे जखन सिँहवाड़ा मे लोक जुटल तखन सभ केँ जनतब भेल जे एम्हर दऽ तऽ दरभंगा-मुजफ्फरपुर रेलखंड जेबे नहि करत. उपस्थित क्रोधित भीड़ केँ देखैत लालू यादव मंचहि सं एकटा नव रेलखंडक घोषणा कऽ देलनि. ओ कहलनि जे जनकपुर रोड सं एकटा रेलखंड बिछत जे सिँहवाड़ा होइत दरभंगा-मुजफ्फरपुर रेलखंड सं जुड़त. भेल गलती पर सुधार करैत तखुनका दरभंगा सांसद एमएए फातमी डीलाही स्टेशन पर दरभंगा-मुजफ्फरपुर रेलखंडक शिलान्यास केलनि मुदा रेलवे क अभियंत्रण विभाग अधिकारी ओ शिलापट्ट उठा लऽ गेलनि. हुनक कहब छल जे अखन धरि सर्वेक काज पूरा नहि भेल अछि आ एकरा बाद इ रेलखंड रेलवे क कागज मे हेरायल अछि.
बीतल 6 बरख सं मुजफ्फरपुर आ दरभंगा कतेको संगठन एहि रेलखंड लेल आवाज उठौलनि मुदा ओ आवाज भारतीय रेलवे धरि नहि पहुंचल। की एहि बेर बदलत 110 बरखक इतिहास ?

0 comments:
Post a Comment