मिथिला राज लेल आब लड़ाई लड़य पड़त : पप्पू यादव
दरभंगा : शनि केँ भेल दरभंगा मे प्रेस कांफ्रेँस मे सांसद पप्पू यादव एक बेर फेर पृथक मिथिला राजक समर्थन केलनि। सांसद यादव कहलनि जे हम शुरु सं छोट राज्यक पक्षधर रहल छी। छोट राज्यक निर्माण सामाजिक, आर्थिक, शैक्षिक, ऐतिहासिक आ भाषाई मानदंड केँ ध्यान राखि बनबाक चाही। मिथिला राजक मांग सभ मानदंड पर ठाढ़ अछि। छोट राज्यक निर्माण सं सत्ता जनताक लग अबैत अछि। लोकक दश-दिशा मे सेहो सुधार अबैत अछि। मिथिला देश-दुनिया केँ जतेक देलक अछि, बदले मे मिथिला केँ किछ नहि भेटल। आब समय आबि गेल अछि जे पृथक मिथिला राजक लेल हमरा सभ केँ मिलि हक लेबा लेल लड़य पड़त।
0 comments:
Post a Comment