Sunday, September 14, 2014

मुजफ्फरपुर बनय बिहारक उप राजधानी : रमई राम

मुजफ्फरपुर : मुजफ्फरपुर बिहारक उप राजधानी बनत। एतय उच्च न्यायालयक दोसर खंडपीठक स्थापनाहोएत। मुजफ्फरपुर मे मेट्रो परिचालनक मांग सेहो केँद्र सरकार सं करब। इ गप्प बिहार राज्य परिवहन मंत्री रमई राम बीतल कहलनि। ओ कहलनि जे अखंड बिहार मे रांची उप राजधानी छल आ आब झारखंड मे दुमका उप राजधानी अछि। उत्तर बिहारक दस टा जिलाक लोक केँ गंगा पार कऽ पटना जेबामे बड्ड दिक्कत होइत अछि। पटनाक बाद मुजफ्फरपुर विकसित माडल जिला अछि। एतुक्का आबादी आब मेट्रो चलय लायक भऽ गेल अछि। हम जल्दिये केँद्र सरकार केँ मुजफ्फरपुर मे मेट्रो लेल चिट्ठी लिखब।

0 comments:

Post a Comment