Sunday, January 11, 2015

समस्तीपुर-दरभंगा रेलखंडक होएत दोहरीकरण : मनोज सिन्हा

दरभंगा : रेल राज्यमंत्री मनोज सिन्हा आइ दरभंगा जंक्शन पर कहलनि जे रेलवे उत्तर बिहारक जरूरत ल गंभीर अछि। राज्य सरकार सं समन्वय स्थापित क नव रेल परियोजना पर अमलीजामा पहिराइल जाएत। एकरा ल रेल मंत्री सुरेश प्रभुक राज्यक मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी सं वार्ता चलि रहल अछि। ओ समस्तीपुर सं सीतामढ़ी वाया दरभंगा डीएमयू सेवा शुरू करबाक घोषणा केलनि संगे समस्तीपुर-दरभंगा रेलखंडक दोहरीकरणक आश्वासन देलनि।
दरभंगा जंक्शनक निरीक्षणक बाद संवाददाता कें संबोधित करैत कहलनि जे 20 हजार किमी नव रेल लाइन आ 10 हजार किमी आमान परिवर्तनक काज कयल जाएत। मौका पर सांसद कीर्ति आजाद दरभंगा जंक्शन पर यात्री सुविधा मे बढ़ोतरीक मांग केलनि। मौका पर हाजीपुर जोनक जीएम एके मित्तल, समस्तीपुर रेलमंडल क प्रबंधक अरुण मल्लिक, विधायक संजय सरावगी, गोपालजी ठाकुर आदि उपस्थित छलथि।

0 comments:

Post a Comment