Sunday, January 11, 2015

प्रदर्शन लेल तैयार अछि 'ललका पाग'

सहरसा : पोखरि मे नहायब न मना छै, हसय लेल मना थोड़े न छै..... इ एकटा मैथिली फिल्म ललका पाग क संवाद छैक, इ सिनेमा बनी क तैयार अछि आ मकर संक्रांतिक बाद मिथिलाक सिनेमाघर सभ म प्रदर्शित होएत. इ फिल्म मैथिलीक प्रसिद्ध साहित्यकार डॉ राजकमल चौधरीक चर्चित कथा ललका पाग पर आधारित अछि जाहि मे मैथिल नारीक त्यागक कथा-व्यथाक चित्रण कयल गेल अछि.


ट्रेलर देखू

एहि फ़िल्मक निर्माता रत्नेश शाह जे गुजरात सं छथि मुदा मैथिली भाषा आ संस्कृति हुनका ततेक आकर्षित केलक जे ओ सेक्रेड फिग एंटरटेनमेंट क बैनर तर मैथिली मे ललका पाग फिल्म बना देलखिन. फ़िल्मक अभिनेत्री श्वेता वर्मा जे शिवहर जिलाक छथि आ नायक रोशन राज ललका पाग मे अप्पन अभिनयक संगे पूर्ण न्याय करैत नज़र एता. फिल्म मे उदित नारायण झा, नंदिता चक्रवर्ती आदि अप्पन आवाज़ देने छथि. बता दी जे ललका पाग बरख 2015 क पहिल मैथिली सिनेमा अछि.

0 comments:

Post a Comment