Tuesday, April 21, 2015

धूमधाम सं मनत जानकी नवमी : बैजू

दरभंगा : विद्यापति सेवा संस्थानक महासचिव डॉ. बैद्यनाथ चौधरी बैजू कहलनि जे सीयाक पूजा सं संसारक कल्याण संभव अछि। मिथिलाक लोक कें जानकीक प्रति आस्था राखब आ पूजा करब दायित्व अछि। सार्वजनिक ठाम पर मूर्ति पूजामे वृद्धि उत्साहवर्धक अछि।

मिथिला प्राइम सं गप्प करैत बैजू कहलनि जे संस्थान दिस सं 27 अप्रैल के जानकी नवमीक संग मैथिली दिवस पर समारोहक आयोजन कयल जाएत। एहि क्रममे भोर 9 बजे जानकी पूजनोत्सव आ 11 बजे सं विचार गोष्ठी आओर सांस्कृतिक कार्यक्रमक आयोजन होएत। डॉ. बैजू कहलनि जे इ दिन मिथिलावासी लेल संकल्प दिवस अछि।

0 comments:

Post a Comment