दरभंगा : आगामी 10 सं 16 मई धरि दरभंगामे विशाल मिथिला राज सम्मेलनक आयोजन होएत। सम्मेलनमे मिथिला क्षेत्रक प्रमंडलक प्रतिनिधि अओताह। सम्मेलनक बाद मिथिला राजक आंदोलन कें धरना, प्रदर्शन आओर अनशनक माध्यम सं धारदार बनाओल जाएत। इ गप्प मैथिली मंचक महासचिव प्रो. उदय शंकर मिश्र प्रेस वार्ता मे कहलनि।
प्रो. मिश्र कहलनि जे क्षेत्रक विकासक लेल मिथिला राजक स्थापना आवश्यक अछि। ओ कहलनि जे मिथिला क्षेत्रमे आईआईटी, आईएमआईबीएम, ट्रिपल आईआईटी, एम्स लगाइत राष्ट्रीय आ अंतर्राष्ट्रीय स्तरक संस्थान खुलब अति आवश्यक अछि। ओ मैथिलीमे प्राथमिक सं ल माध्यमिक धरि पढ़ाई लेल जनजागरण आ सरकारी प्रयास पर जोड़ देलनि। संगहि कहलनि जे केन्द्रीय विद्यालय, सीबीएससी कोर्स मे मैथिलीक पढ़ाई लेल भारत सरकार कें ज्ञापन देबाक निर्णय लेल गेल।

0 comments:
Post a Comment