Monday, December 21, 2015

मिथिलाक विकासक मांग ल' दरभंगामे MSUक' जनचेतना रैली

दरभंगा : मिथिला क्षेत्रक विकासक मांग ल' मिथिला स्टूडेंट यूनियनक दरभंगा इकाई रवि दिन नेहरू स्टेडियम, लहेरियासराय सं ललित नारायण विश्वविद्यालय परिसर धरि जनचेतना रैली निकाली आन्दोलनक शंखनाद केलक अछि. रैली मे लगातार 'सब मैथिल के एक विचार-मिथिला लेत अपन अधिकार' नारा लागि रहल छल.



 एहि यात्रा मे ग्यारह सूत्री मांग कयल गेल जाहिमे प्राथमिक शिक्षा मे मैथिलीक अनिवार्यता, दरभंगा मे केंद्रीय शिक्षण संस्थानक स्थापना, डीडी मैथिली क' शुरुआत, पटना हाइकोर्टक बेंचक स्थापना दरभंगा मे, दरभंगा सं विमान सेवाक शुरुआत, आकाशवाणी दरभंगा सं सम्पूर्ण प्रसारण मैथिली मे, दरभंगा मे फ़ूड पार्क-तारामंडल क' स्थापना, बन्न पड़ल मिल फेर सं चालू करेबाक मांग सभ छल. जनचेतना यात्रा मे युवाक भागीदारी साफ़ देखा रहल छल. एहि जनचेतना रैली सैकड़ों आंदोलनी संग छलथि. 

0 comments:

Post a Comment