Monday, December 21, 2015

नेपाल मे टकराव तेज़ हेबाक आसार

सीतामढ़ी : नेपालक तराई मे पिछला चारि मास सं बेसी समय सं चलि रहल मधेश आंदोलन ख़त्म हेबाक आसार नहि देखा रहल अछि. सरकार आ प्रमुख मधेशी नेताक 15म दौरक वार्ता असफल रहल अछि. किछु दिन पाहिले जनकपुर मे राष्ट्रपति विधा देवी भंडारी पर भेल हमलाक बाद हिंसाक माहौल आओर गरम भ' गेल अछि.


वर्तमानमे सरकार आ पुलिस प्रशासनक मधेसी सं एहन ठनल अछि जे आंदोलन उग्र आ पैघ हेबाक आसार बढ़ि गेल अछि. संयुक्त तराई मधेश लोकतांत्रिक मोर्चाक बैनर तर चारि टा प्रमुख नेताक संग काठमांडू मे 18 दिसंबर के नेपाल सरकारक संग वार्ता विफल रहल. आब मधेशी नेता सभा मलंगवा मे बैसार क' नव ढंग सं उग्र आंदोलनक आगाजक एलान केलक अछि. तराई क्षेत्र मे एक बेर फेर आक्रोश बढ़ि गेल अछि. पिछला दू दिन सं रौतहट,सर्लाही,धनुषा,कैलाली आ महोतरी लगाइत पूरा तराई मे आंदोलनकारी उग्र प्रदर्शन क' रहल छथि, युवा सेहो सड़क पर छथि.

0 comments:

Post a Comment