समस्तीपुर : आन राज्य जेंका बिहारक लेल सेहो फिल्म नीति जल्दिये बनत. मैथिली फिल्मकार आ कलाकार के बढ़ावा देल जाएत. इ गप्प राज्यक कला आ संस्कृति मंत्री शिवचंद्र राम कहलनि.
ओ कहलनि जे बिहारमे फिल्म बनेनिहार के सेंसर बोर्ड सं आदेश लेबा मे बहुते परेशानी होइत अछि, हुनका सभकें मुंबई क' दौड़ लगाबय पड़ैत अछि. राज्यमे जखन फिल्म नीति बन जाएत त' कलाकर आ फिल्म निर्माता सभ के आसानी होएत आ एहि सं क्षेत्रक प्रतिभा के देखेबाक मौका भेटत.

0 comments:
Post a Comment