Tuesday, November 24, 2015

मैथिलीक विकास लेल अखन बहुत किछु करबाक अछि : डॉ.सीपी ठाकुर

दरभंगा : एमएलएसएम कॉलेजमे आयोजित तीन दिनी मिथिला विभूति पर्वक पहिल दिन उद्घाटन करैत पूर्व केंद्रीय मंत्री सांसद डॉ.सीपी ठाकुर कहलनि जे अप्पन विशिष्ट संस्कृतिक लेल मिथिलाक धरती प्रसिद्ध रहल अछि. एतुक्का भाषा मैथिली मधुर आ समृद्ध अछि. एकर विकास लेल अखन बहुत किछु करबाक अछि. ओ मिथिलाक समस्याक के बताबैत समग्र विकासक दिशामे पहल करबाक पर जोर देलनि. समारोहक मुख्य अतिथि स्थानीय सांसद कीर्ति आजाद कहलनि जे मिथिला आ मैथिलीक सर्वांगीण विकास समयक मांग अछि. राजनीतिक उपेक्षाक कारण एतहि पिछड़ापन रहल अछि. समारोहक अध्यक्षता करैत ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालयक कुलपति साकेत कुशवाहा कहलनि जे मिथिला लग प्रतिभा आ संपदाक कोनो टा कमी नहि छैक, आवश्यकता छै ओकर उपयोगक. विशिष्ट अतिथि नगर विधायक संजय सरावगी कहलनि जे मिथिला आ मैथिलीक विकास लेल सभ संघर्ष लेल तैयार छी. पूर्व विधान पार्षद डॉ.विनोद कुमार चौधरी कहलनि जे मिथिलाक विकास के आब कियौ नै रोकि सकैत अछि.


समारोहक पहिल दिन उद्घाटनक संग विद्यापति संगीतक आयोजन भेल. ममता ठाकुरक मंगलाचरण आ अनुपमा मिश्रक स्वागत गान सं शुरू कार्यक्रममे कलाकार सभ विद्यापति संगीतक प्रस्तुति देलनि. समारोहमे मिथिला-मैथिलीक क्षेत्रमे योगदानक लेल मिथिला विभूति सम्मान देल गेल. स्व.शोभाकांत जयदेव झा, डॉ.कालीकांत मिश्र, स्व.रमानाथ मिश्र मिहिर, ई.योगेंद्र पोद्दार, मैथिली पाक्षिक अखबार विद्यापति टाइम्स के संपादक विनोद कुमार आदि कें सम्मानित कयल गेल.

0 comments:

Post a Comment