पटना : मिथिलाक धरोहर सौराठ सभा क' सभटा जमीनक घेराबंदी कयल जाएत मुदा अखन जमीनक मामला बड़ पेंचीदा अछि. जे जमीनक मालिक छथि ओ अप्पन नाम सं जमीन देबाक समय निर्धारित क' देने छथि. ऐना मे एहि समय सीमाक बाद घेराबंदी क' काज शुरू कयल जेतै. इ गप्प राज्यक राजस्व आ भूमि सुधार मंत्री मदन मोहन झा, चेतना समितिक तत्ववधानमे 62म विद्यापति समारोहक उद्घाटन करैत कहला. मौका पर विशिष्ट अतिथि कृषि उत्पादन आयुक्त विजय प्रकाश कहलनि जे मिथिला में आब साहित्यिक अलावे क्षेत्रमे विकासक जरुरत छैक.
समारोहमे कुमार मनीष अरविंद लिखित पोथी निछच्छ बताह भेल आ विद्यापति स्मृति पर्व स्मारिका लोकार्पण भेल। पहिल दिनक कार्यक्रमक अंतमे मैथिली लोक गायिका रंजना झा एक सं एक गीत गाबि मगधक धरती पर मिथिलाक संस्कृति कें उतार देलनि। बादमे कवि सम्मेलनमे पद्मश्री विलट पासवान विहंगम, डॉ गंगेश गुंजन, डॉ. विद्यानाथ झा, फूलचंद झा, स्वयं प्रभा झा आदिक कविता पाठ सं श्रोतागण के मंत्रमुग्ध केलनि। एहि मौका पर पूर्व विधायक ऋषि मिश्रा, समितिक विवेकानंद ठाकुर, उमेश मिश्र, वासुकीनाथ झा आदि सेहो अप्पन विचार रखलनि.
0 comments:
Post a Comment