दरभंगा : DMCH मे उत्तर बिहारक सभ सं पैघ अस्पताल बनेबाक मंज़ूरी भेट गेल अछि। एतहि 960 बेड क एकटा अलग सुपर स्पेशियलिटी अस्पताल बनत, जाहिमे इमरजेंसी लगाइत सभ तरहक सर्जरीक सुविधा रहत। डीएमसीएच परिसरमे बनय वला एहि अत्याधुनिक सुपर स्पेशियलिटी सर्जरी अस्पतालक निर्माण लेल स्वास्थ्य विभाग 579 करोड़ ₹ योजनाक स्वीकृति द देलक अछि। निर्माणमे पर्यावरणीय मानक क पूरा ध्यान रखबा लेल एकरा ‘ग्रीन बिल्डिंग प्रोजेक्ट’ नाम देल गेल अछि।
एहि अस्पतालक खासियत इ अछि जे एतहि ट्रॉमा आ अति गंभीर बीमार मरीज लेल 24 घंटे सुविधा रहत। प्रस्तावित सात मंजिल भवनमे कैजुएल्टी वला मरीजक तीमारदारी लेल विशेष प्रबंध कयल जाएत। एहि सुपर स्पेशियलिटी सर्जरी अस्पतालक 960 आ डीएमसीएचक अखुनका 980 बेड पर भर्ती सभ मरीजक देखभाल लेल एकटा अलग प्रशासनिक भवन बनायल जाएत। डॉक्टर आ कर्मचारी लेल अलग-अलग पांच-पांच मंजिल क दू टा भवन बनत।

0 comments:
Post a Comment