गोड्डा/दुमका : आधुनिकताक दौड़ में जतय विभिन्न तरहक आकर्षक झालर आ बल्ब बाजार में आबि गेल अछि मुदा बिजलीक कमी आ महंग होयबाक कारणे बिजलीक सामान अधिकतर लोकक पहुंच सऽ बाहर अछि।एना में कुम्हारक व्यवसाय पर कोनो फर्क नहिँ पड़ल अछि आ यैह कारण अछि जे दीपावली अबिते देरी कुम्हार दीप,भुटकी,ऋद्धि-सिद्धि,गणेश-लक्ष्मी आदिक निर्माण में जुटि गेलैथ हँ।स्थानीय शिवपुरक निवासी सुरेश पंडित,भवेश पंडित आदि बताबैत छैथ जे वो सभ दिनराति मेहनत कऽ घैल,दीप,भुटकी संगे विभिन्न प्रकारक मूर्ति के निर्माण करैत छैथ।पर्व-त्योहार पर तऽ मेहनत कऽ सामान बनाबय छी आ आपूर्ति सेहो भऽ जाइत अछि मुदा तखनो महंगाईक मारि झेलय पड़ि रहल अछि कियैक तऽ शहरक आबादी बढ़ जयबा से आब तऽ मिट्टी कीनि कऽ दूर से आनय पड़ैत अछि।जलावन सेहो दिनानुदिन महंग होइत जा रहल अछि आ ऊपर से मिट्टीक बर्तनक बिक्री में लगातार गिरावट आबि रहल अछि।ओ बतैलैथ जे हुनक आर्थिक स्थिति दयनीय होयबाक बावजूद सरकार द्वारा हुनका सभ के कोनो तरहक आर्थिक सहायता नहिँ भेटैत अछि।लालकार्ड, बीपीएल,अन्त्योदय, अन्नपूर्णा आदि लाभ सभ से सेहो हमरा सभ के वंचित कऽ देल जाइत अछि।
0 comments:
Post a Comment