धनुषा/काठमांडू/जयनगर : नेपाल मेँ भारतीय उत्पादक बिक्रीक विरोध कऽ नेकपा माओवादी के घोषणाक बाद आब नेपालक राजनीतिक गलियारा मेँ विरोधक स्वर आबल लागल हँ।नेपालक उप प्रधानमंत्री संग गृह मंत्री विजय कुमार गच्छेदार माओवादी के एहि घोषणा के मात्रे टा पब्लिसिटी स्टंट बतौलैथ हँ।ओ कहलैथ जे कोनो एक पार्टी केर घोषणा से देश नहिँ चलैत अछि।श्री गच्छेदार बीतल काल्हि धनुषा जिला के सघारा प्राथमिक विद्यालय परिसर मेँ आयोजित मधेशी जनाधिकार फोरम लोकतांत्रिक कार्यकर्ता सम्मेलन मेँ बाजि रहल छैथ।ओ कहलैथ जे केकरो कानून व्यवस्था मेँ व्यवधान उत्पन्न करय के इजाजत नहिँ देल जाओत,एकरा लेल सरकार प्रतिबद्ध अछि।कानून व्यवस्था मेँ समस्या उत्पन्न करय वला से सरकार सख्ती से निपटत।ओ नेपालक विकास मेँ भारतक योगदान के महत्वपूर्ण बतौलैथ,ओ कहलैथ जे नेपालक तेजी से आर्थिक विकासक लेल भारतक सक्रिय सहयोग आवश्यक अछि।किछु लोक निजी स्वार्थक लेल भारत-नेपाल संबंध मेँ तनाव उत्पन्न करय चाहैत छैथ जे कहियो सफल नहिँ होएत।
मधेशी जनाधिकार फोरम लोकतांत्रिक केरराष्ट्रीय अध्यक्षक रुपे ओ कार्यकर्ता लोकनि से कहलैथ जे मधेशी के नेतृत्व मेँ सर्वसम्मति से संघीय सरकारक गठन होएबाक चाही।कोनो मधेशी के नेपाली गणराज्यक प्रधानमंत्री बनेबाक चाही।ओ नेपाली कांग्रेस आ एमाले पर संघीय विरोधी होयबाक आरोप लगाबैत कहलैथ जे एहि तरहक लोकक अड़ियल रुखक कारणे संविधानक निर्माण अखन धरि नहिँ भऽ सकल अछि।नेपालक राजनीतिक अस्थिरता लेल नेपाली कांग्रेस आ एमाले के दोषी देलैथ,कार्यक्रम में जिलाध्यक्ष उमाशंकर अरदरियाक संगे पार्टी के बहुतो नेता उपस्थित छलैथ।

0 comments:
Post a Comment