पटना : कोशी बेदारी मोरचा बिहार सरकार से मिथिलाक कोसी क्षेत्रक आठ टा जिला के विशेष दर्जा दयबाक मांग कयलक हँ।मोरचा के अध्यक्ष अहमद अशफाक करीमक नेतृत्व मेँ एकटा शिष्टमंडल राज्यपाल देवानंद कुंवर के एहि संबंध मेँ ज्ञापन सौँपलैथ।श्री करीम कहलैथ जे कोसी क्षेत्रक आठ टा जिला,कटिहार,पूर्णिया,अररिया,किशनगंज,मधेपुरा,सहरसा,सुपौल आ खगड़ियाक स्थिति बहुत दयनीय अछि।एहि क्षेत्रक विकास लेल विशेष दर्जा भेटनाय जरुरी अछि।एकरा संगे ओ पूर्णिया के बिहारक उपराजधानी बनयबाक मांग,पूर्णिया प्रमंडलक कोनो जिला मेँ हाइकोर्टक खंडपीठ स्थापित करबाक मांग,सहरसा - बैजनाथपुर मेँ बंद पड़ल डुमरी कोशी पुलक अविलंब निर्माण करबाक मांग आ कटाव पीड़ित विस्थापितक पुर्नवासक व्यवस्था करबाक संग 10 सूत्री मांग राज्य सरकार लग रखलैथ हँ।शिष्टमंडल मेँ सचिव समरेँद्र कुणाल,उपाध्यक्ष जाहिद,संयुक्त सचिव मौलाना मतिउर रहमान संग छलैथ।
0 comments:
Post a Comment