Wednesday, October 31, 2012

जामताड़ा स्टेशन पर यात्री सुविधा बढ़यबाक मांग

जामताड़ा/भागलपुर : झामुमो सुप्रीमो संगे स्थानीय सांसद शिबू सोरेन पूर्व रेलवे के महाप्रबंधक सऽ जामताड़ा आ विद्यासागर स्टेशन पर सभ ट्रेनक ठहराव आ यात्री सुविधा बढ़यबाक मांग कयलथ हँ।एहि लऽ कऽ सोरेन महाप्रबंधक के 6 सूत्री मांग पत्र सेहो समर्पित कयला हँ।मांग पत्रक माध्यम से जामताड़ा स्टेशन पर हावड़ा-नई दिल्ली पूर्वा एक्सप्रेस,हावड़ा-इलाहाबाद विभूति एक्सप्रेसक ठहराव आ विद्यासागर स्टेशन पर कोलकाता सऽ आबय-जाय वला सभ पैसेंजर ट्रेनक ठहराव कराबय, करमाटांड बाजार लग पश्चिमी केबिन लग उपरी पुलक निर्माण कराबय लेल,विद्यासागर स्टेशनक प्लेटफार्म पर पाइप द्वारा पाइन सप्लाई करयबा लेल आ प्लेटफार्म पर यात्री शेड निर्माण कराबय के मांग कैलैथ हँ।

0 comments:

Post a Comment