Thursday, July 5, 2012

दरभंगा कतेक साफ अछि ?

दरभंगा : शहरकक साफ सफाई पर लगभग 50 लाख के मासिक खर्च अछि मुदा कचरा के कोनो टा कमी नहि। दरभंगाक बेला मोड़ सँ एफसीआय गोदान धरि जौँ आहाँ बिना नाक मुनि के चलि गेलौ तँ आहाँ कम बहादुर नय होयब कियैक तँ रोडक कात मेँ कचरा के ढेर एतेय सुगन्ध दैत छैक नँ आ कहियो अगर ओतय जाम मेँ फंसलौ तखन तँ र्स्वगे अछि। एहने हालत दरभंगा-सकरी मार्ग मेँ जीवछघाट लग अछि आ इ कचराक ढेर लगेलैथ हँ एटूजैड कम्पनी, जिनका पर दरभंगा के साफ सुथरा करय के जिम्मा अछि। एटूजैड अखन दरभंगाक 48 टा वार्ड मेँ सँ 16 टा मेँ साफ सफाई करैत अछि मुदा परिणाम कोनो खास अखन धरि नहि आयल हँ। एटूजैड सँ लोकसभ के बहुते आशा छल मुदा सिम्मर भेल परिणाम......!

0 comments:

Post a Comment