Saturday, August 4, 2012

सीतामढ़ीक सात प्रखंड मेँ घुसल बाढ़िक पानि

बागमती नदीक जलस्तर मेँ लगातार वृद्दि भेला सऽ सीतामढ़ी जिलाक सात प्रखण्ड मेँ बाढ़ि आबि गेल हँ।बागमती खतराक निशान के पार कऽ सुरसंड प्रखण्डक श्रीखण्डी भिठा पूर्वी पंचायतक वार्ड 5 के कंटाही टोल मेँ बनैल गेल बचाव बांध के बीतल काल्हि तोड़ि देलक,अय सऽ पचास सऽ बेसी गाम मेँ पानि आबि गेल हँ।एम्हर बेलसंड मेँ सेहो तटबंधक कटाव शुरु भऽ गेल हँ।एनएच 104 पर बाढ़िक पानी अयला सऽ सीतामढ़ी-शिवहर मुख्य मार्ग बंद भऽ गेल हँ,आवागमनक लेल नावक सहारा लेल जा रहल हँ।लोक सभ अपन सुरक्षाक लेल पलायन केनाय शुरु कऽ देलक हँ।परसा आ ढ़ेँग-बड़हरवा से नेपाल जाय बला मुख्य पथ पर लगभग पांच फुट पानि बहि रहल अय।एम्हर झीम नदीक पानि सोनबरसा प्रखंड मुख्यालय आ एसएसबी कैँप आ परिहार प्रखंडक दर्जनोँ गाम तक पहुंच गेल हँ।एसएसबी कैँप मेँ पानी अयला हँ ओतय उपस्थित जवान के परेशानी बहुत बढ़ि गेल हँ!

0 comments:

Post a Comment