Friday, August 3, 2012

फेर उठल जगदम्बा हाल्टक मांग

समस्तीपुरक नव डीआरएम अरुण मल्लिक पदभार ग्रहण करलाक बाद पहिल बेर दरभंगा जंक्शन पहुंचलैथ।डीआरएम के दरभंगा आगमान पर जगदम्बा हाल्ट (दरभंगा-बिरौल रेलखण्ड पर ) , नवादा मेँ बनाबय के मांग के लऽ बेनीपुरक स्थानीय लोक सभ धरना देलैथ आ मांगक ज्ञापन डीआरएम के सौँपलैथ।धरना के नेतृत्व कऽ रहल डा॰ अरविंद झा बतौलैथ जे वर्ष 2008 मेँ तत्कालीन रेल मंत्री लालू प्रसाद यादव अय हाल्ट के खोलय के घोषणा कयने छलैथ मुदा आय धर किछु नय भेल हँ ।बता दी जे नवादा गाम मेँ हयहट्ट भगवती , सिद्दिपीठ अय आ तय हेतु एतय प्रतिदिन हजारक संख्या मेँ भक्त लोकन आबय छै , ताहि अय हाल्टक लेल 2008 सऽ आंदोलन चलि रहल अय।अरविंद झाक संगे रामकुमार झा,बबलू,नारायणजी झा,अवधेश झा,बमबम झा आदि धरना पर बैसल छलैथ।

0 comments:

Post a Comment