Thursday, August 2, 2012

मिथिला राज्यक लेल 22 अगस्त के संसदक समक्ष धरना

अलग मिथिला राज्य बनाबय लेल अखिल भारतीय मिथिला राज्य संघर्ष समिति आगामी 22 अगस्त के संसदक समक्ष प्रर्दशन करत संगे 13 अगस्त के सकरी-निर्मली-फारबिसगंज बड़ी रेल लाइनक मांग लेल झंझारपुर स्टेशन पर धरना देत। इ घोषणा,समितिक अध्यक्ष डा॰ बैद्यनाथ चौधरी बैजू बीतल काल्हि पत्रकार सभ सऽ बात करैत कहलैथ हँ।ओ कहलैथ जे मिथिला राज्यक निर्माण बिना मिथिला के भाषाई,शैक्षिणक आ सामाजिक आजादी नय भेट सकय अय,बाढ़ि-सुखाड़ सऽ मुक्ति नहिँ भेटि सकैत अय।ओ कहलैथ जे दरभंगा मिथिलाक सांस्कृतिक राजधानी अय,तय हेतु दरभंगा मेँ एकटा अंर्तराष्ट्रीय विश्वविद्यालय खुलबाक चाही संगे ललित नारायण मिथिला विश्व विद्यालय आ कामेश्वर सिँह दरभंगा संस्कृत विश्वविद्यालक के केँद्रीय विश्वविद्यालक दर्जा दय के मांग उठौलैथ।ओ कहलैथ जे मिथिला के संपूर्ण आजादी दियाबय लेल 28 वर्ष पूर्व भेल आंदोलन शुरु भेल छल , क्षेत्रक विकास आ अलग राज्यक संगे 13 सूत्री मांग मेँ से बहुतो पूरा भेल हँ,एकरा बादो मिथिला राज्यक मांग नहिँ पूरा भेल हँ।ओ मिथिलावासी सऽ अपील कयलैथ हँ जे आगामी 22 अगस्त के संसदक घेराव मेँ बेसी सऽ बेसी लोक सहभागी बनी!

0 comments:

Post a Comment